राष्ट्रिय सभामे प्रधानमन्त्री कार्कीके पहिल सम्बोधनः “निर्धारित समयमे निष्पक्ष निर्वाचन हएत”


काठमाण्डू, १९ माघः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की राष्ट्रिय सभा बैसारकेँ आइ पहिल बेर सम्बोधन करैत निर्धारित समयमे स्वच्छ, निष्पक्ष आ भयमुक्त वातावरणमे प्रतिनिधि सभाके निर्वाचन होबाक विश्वास व्यक्त केलैन अइछ ।

इएह माघ ४ गतेसँ सुरु भेल सभाक १९म अधिवेशनअन्तर्गतके पाँचम बैसारमे प्रधानमन्त्री कार्की सम्बोधन करैत सरकारक प्राथमिकताके रूपमे भेल प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक तैयारी आ सुशासनक क्षेत्रमे भ रहल काजक बारेमे सदस्यसभकेँ जानकारी करौलैन । हम कोनो शासकीय आकांक्षासँ नै विषम परिस्थितिमे प्रधानमन्त्री भेलाक कारण निर्धारित समयमे प्रतिनिधि सभाके निर्वाचनसँ बनैबला नयाँ सरकारकेँ जिमेवारी हस्तान्तरण करबाक लेल तैयार रहल ओ स्पष्ट केलैन ।

बितल भादब २३ आ २४ गतेके जेनजी आन्दोलनक अवस्थामे गठित अन्तरिम सरकारक प्रधानमन्त्री कार्की किछ समय पहिने भेल राष्ट्रिय सभाके निर्वाचनमे निर्वाचित सदस्यसभकेँ बधाइ सेहो देलैन । प्रधानमन्त्री कार्की ‘विकास, आर्थिक मामिला तथा सुशासन’ समितिक सभापति कमला पन्तद्वारा प्रस्तुत ‘राष्ट्रिय सदाचार नीतिसम्बन्धी अध्ययन प्रतिवेदन, २०८२’ के परामर्शमे सदस्यसभद्वारा उठाएल गेल प्रश्नके जवाफ सेहो देलैन ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय