नेपाल आ जापान बीचक मित्रता ऐतिहासिक, विश्वासमे आधारित आ बहुआयामिक: राष्ट्रपति पौडेल


काठमाण्डू, २० माघः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल नेपाल आ जापान बीचके मित्रता ऐतिहासिक, विश्वासमे आधारित आ बहुआयामिक भेल बतौलैन अइछ ।

जापानक औपचारिक भ्रमणमे गेल राष्ट्रपति पौडेल जापानक टोकियोमे रहल नेपाली राजदूतावासके सोमदिन अवलोकनक क्रममे राजनीतिक, आर्थिक, विकास साझेदारी, शिक्षा, प्रविधि तथा मानव संशाधन विकासक क्षेत्रमे सहकार्य विस्तार करए आओर सक्रिय कूटनीति अवलम्बन करबाक लेल आग्रह केलैन ।

“अइ ठामक सरकारी निकाय, निजी क्षेत्र तथा शैक्षिक संस्थासँ निरन्तर संवाद आ सहकार्य बढ़ेबा लेल विशेष ध्यान देबाक चाही”, ओ कहलैन । विदेशमे रहल नेपाली नियोगसभ नेपाल सरकारक विस्तारित भाग भेलाक कारण एकर सेवा प्रवाहमे सरलता, पारदर्शिता आ समयबद्धता अनिवार्य होबाक चाही तइपर ओ जोड़ देने राष्ट्रपतिके प्रेस सल्लाहकार किरण पोखरेल जानकारी देलैन ।

“नेपालमे वैदेशिक लगानी आकर्षित करए राजदूतावासके भूमिका अत्यन्त महत्त्वपूर्ण होइत छै । पर्यटन, जलविद्युत्, सूचना प्रविधि, कृषि तथा पूर्वाधार विकासक संभावनासभ जापानी लगानीकर्ता बीच प्रभावकारी रूपमे प्रस्तुत क प्रभावकारी आर्थिक कूटनीति संचालन करबाक लेल आग्रह करैत छी”, राष्ट्रपति पौडेल कहलैन ।

अइ ठाम भेल श्रमिक तथा विद्यार्थीसभक अधिकार, सुरक्षा आ मर्यादाके संरक्षण दूतावासके पहिल दायित्व भेल उल्लेख करैत राष्ट्रपति पौडेल ओकरासभक समस्या, जिज्ञासा आ आवश्यकताकेँ संवेदनशील भ सुनब आ समयमे समाधान करैबला संयन्त्रकेँ आओर सुदृढ़ बनेबापर जोड़ देलैन । “नेपाली भाषा, कला, संस्कृति आ परम्पराके प्रवर्द्धनमार्फत जनस्तरके सम्बन्ध आओर मजबुत बनाबैबला कार्यक्रमसभकेँ प्राथमिकता देबाक चाही”, ओ कहलैन ।

जापान सरकारक निमन्त्रणमे राष्ट्रपति पौडेल प्रथम महिला सविता पौडेलसहित नेपाली प्रतिनिधिमण्डलके नेतृत्व करैत नेपाल आ जापान बीच कूटनीतिक सम्बन्ध स्थापना भेल ७०म वर्षगाँठके अवसरमे होएबला विशेष समारोहमे सहभागी होबाक लेल सोमदिन टोकियो पहुँचल छैथ ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय