महेन्द्रनगर (धनुषा), २२ माघः जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव समावेशी राजनीति, सङ्घीयताके प्रभावकारी कार्यावंयन आ जनताके जीवनस्तर सुधार हमरासभक पार्टीके मुख्य ‘एजेन्डा’ भेल बतौलैन अइछ ।
जनकपुरधाममे बुधदिन आयोजित कार्यक्रममे ओ मधेशक विकास आ पहिचानक लेल पार्टी निरन्तर सङ्घर्षरत रहल उल्लेख करैत जनताके विश्वास हमरासभक शक्तिके आधार भेल बतौलैन ।
ओइ अवसरमे विभिन्न पार्टी परित्याग क जसपा नेपालमे प्रवेश कएने नेता–कार्यकर्ताकेँ स्वागत करैत अध्यक्ष यादव विचार आ एजेन्डामे सहमति होबैबलाके लेल पार्टी सैदखन खुला रहबाक बतौलैन । रासस





