देशमे पश्चिमी वायुके आंशिक प्रभाव


काठमाण्डू, २२ माघः अखन देशमे पश्चिमी वायुके आंशिक प्रभाव अइछ । हिमाली भू–भागमे साधारणतया बादल लागल अइछ, तँ बाँकी भागमे आंशिक बादल लागल अइछ । तराईके किछ स्थानमे कुहेस लागल अइछ ।

मौसम पूर्वानुमान महाशाखा अनुसार आइ दुपहर तराईके किछ स्थानमे कुहेस रहत । तहिना, पहाड़ी तथा हिमाली भागमे मौसम सफा रहत ।

आइ राति तराईके किछ स्थानमे कुहेस लागत, तँ पहाड़ी तथा हिमाली भागमे मौसम सफा रहत ।

हिमपात, वर्षा आ कुहेसक कारण दैनिक जनजीवन, पर्यटन, पदयात्रा, स्वास्थ्य सङे हवाई तथा सड़क यातायात प्रभावित होबाक कारण सतर्कता अपनेबाक लेल महाशाखा सम्बद्ध सबसँ आग्रह केलक अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय