राष्ट्रपति पौडलक जापान भ्रमणः द्विपक्षीय सम्बन्ध विस्तारमे उपलब्धीमूलक


काठमाण्डू, २२ माघः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलके जापानक चाइर दिनक औपचारिक भ्रमणसँ द्विपक्षीय सम्बन्धकेँ आओर थप सुदृढ़ीकरण तथा आपसी हितके विषयमे सहयोग विस्तार करबाक लेल उल्लेखनीय योगदान पहुँचल परराष्ट्र सचिव अमृत बहादुर राई बतौलैन अइछ ।

राष्ट्रपति पौडल जापान भ्रमण सम्पन्न क बुधदिन स्वदेश घुरबाक क्रममे त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलके अतिविशिष्ट कक्षमे भ्रमणक बारेमे जानकारी देबाक लेल आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे सचिव राई भ्रमण उपलब्धीमूलक भेल बतौलैन ।

राष्ट्रपति पौडल नेपाल आ जापान बीच कूटनीतिक सम्बन्ध स्थापनाके ७०म वार्षिकोत्सवक अवसरमे जापान सरकारक मैत्रीपूर्ण निमन्त्रणमे इएह माघ १८ गतेसँ २१ गतेधैर जापानक चाइर दिनक भ्रमण सम्पन्न क बुधदिन स्वदेश घुरल छैथ ।

भ्रमणक क्रममे माघ २० गते राष्ट्रपति पौडेल तथा प्रथम महिला सविता पौडेल टोकियोमे जापानक सम्राट नारुहितो तथा साम्राज्ञी मासाकोसँ भेटघाट कएने छलैन ।

ओइ अवसरमे नेपाल–जापान कूटनीतिक सम्बन्ध स्थापनाके ऐतिहासिक ७०म वार्षिकोत्सवके गहन महत्त्वके सङे मजबुत मित्रता, सद्भाव आ सहयोगमे आधारित नेपाल–जापान सम्बन्धके विभिन्न पक्षमे विचार आदानप्रदान भेल सचिव राई बतौलैन ।

ओएह दिन राष्ट्रपति पौडेल आ जापानक प्रधानमन्त्री तकाइची सनायका बीच भेल भेटघाटमे कूटनीतिक सम्बन्ध स्थापनाके बाद बितल ७० सालसँ नेपाल आ जापान बीच कायम रहल उत्कृष्ट सम्बन्धके समीक्षा कएल गेल छल । तहिना, अगिला साल नेपाल–जापान सम्बन्धकेँ आओर सुदृढ़ बनेबाक सम्बन्धमे परामर्श भेल सचिव राई जानकारी देलैन ।

दू देश बीच व्यापार, लगानी, मानवसंशाधन विकास, स्वास्थ्य, कृषि, पूर्वाधार विकास, वातावरण संरक्षण, संस्कृति आ पर्यटन जेहन क्षेत्रमे आपसी हितकेँ अभिवृद्धि करैजँका सहयोग आगु बढ़ेबाक विषयमे सेहो परामर्श भेल छल ।

प्रधानमन्त्री सनायका, संविधान आ लोकतन्त्रके रक्षाके लेल राष्ट्रपति पौडेल निर्वाह कएने भूमिकाके उच्च प्रशंसा करैत नेपालक आर्थिक उन्नति, स्थायित्व आ लोकतान्त्रिकीकरणके लेल जापान निरन्तर सहयोग करत से प्रतिबद्धता व्यक्त कएने छलैन । अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक सफलताके कामना करैत ई नेपालक स्थायित्व आ अइ क्षेत्रक लेल महत्त्वपूर्ण भेल बतौने छलैन ।

ओएह दिन साँझ राष्ट्रपति पौडेल नेपाली राजदूतावास आयोजन कएने स्वागत समारोहमे सहभागी भेल छलैन । कार्यक्रमकेँ सम्बोधन करैत ओ नेपाल आ जापान बीच भेल उत्कृष्ट सम्बन्धके चर्चा करबाक सङे जापान एकटा विश्वसनीय विकास साझेदारके रूपमे नेपालक सामाजिक–आर्थिक विकास प्रयासमे निरन्तर सहयोग करैत आएल कहैत प्रशंसा कएने छलैन ।

ओइसँ पहिने माघ १९ गते राष्ट्रपति पौडेल नेपाल–जापान कूटनीतिक सम्बन्धके ७०म वार्षिकोत्सव मनेबाक लेल जापान सरकारक दिससँ ओइ ठामक विदेश राज्यमन्त्री होरी इवाओ आयोजन कएने विशेष स्वागत समारोहमे सहभागी भेल छलैन । समारोहकेँ सम्बोधन करैत ओ नेपाल आ जापान बीच पारस्परिक सम्मान, विश्वास, समझदारी आ सहयोगमे आधारित सौहार्दपूर्ण सम्बन्ध भेलापर खुसी व्यक्त कएने सचिव राई बतौलैन ।

तहिना, जापानक विदेश राज्यमन्त्री इवाओ राष्ट्रपति पौडेलसँ शिष्टाचार भेट कएने छलैन । ओइ अवसरमे नेपाल–जापान सम्बन्ध आ आपसी सहयोगक विविध क्षेत्रमे आओर सहकार्य करबाक विषयमे बातचित भेल छल ।

ओएह दिन राष्ट्रपति पौडेल जापानी व्यवसायी, उद्यमी आ लगानीकर्तासँ भेटघाट करबाक क्रममे जापानी व्यापारिक समुदायकेँ नेपालमे व्यावसायिक अवसर खोजबाक लेल आमन्त्रित कएने छलैन, तँ लगानीके लेल नेपालक दिससँ हरसम्भव सहयोग प्रदान करबाक आश्वासन देने छलैन । राष्ट्रपति पौडेलक भ्रमण दलमे हुनक कनिया सविता पौडेललगायत नेपाल सरकारक उच्च पदाधिकारीसभ सहभागी छलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय