विधेयकके मस्यौदा तैयारी अवस्था सार्वजनिक करबाक माँग


काठमाण्डू, २३ माघः राष्ट्रिय सभाके आजुक बैसारक शून्य समयमे सांसदसभ स्वास्थ्य बीमा, विधायन प्रक्रिया, संसद् भवनके पुनर्निर्माण तथा निर्वाचनसम्बन्धी विषयमे सरकारक ध्यानाकर्षण करौलैन अइछ ।

शून्य समयमे राष्ट्रिय सभा सदस्य गङ्गा कुमारी बेल्बासे स्वास्थ्य बीमा कार्यक्रमकेँ व्यवस्थित आ वैज्ञानिक ढङ्गसँ आगु बढ़ेबाक आवश्यक भेल बतौलैन । कार्यक्रम कार्यावंयनमे भेल कमजोरी सचियाबैत प्रभावकारी बनेबाक चाही से ओ धारणा व्यक्त केलैन ।

सांसद तुलसा कुमारी दाहाल स्वास्थ्य बीमाके रकम प्राप्त नै कएने समस्या बेसी भेल उल्लेख करैत बजेट अभावक कारण कार्यक्रम प्रभावित भेल विषयमे सरकारके ध्यानाकर्षण करौलैन । 

सांसद डा. बेदुराम भुषाल चालु वर्षमे सदनमे पेस करबाक विधेयकके मस्यौदा तैयार भेल अइछ की नै तइ विषयमे सरकारसँ जानकारी माँग केलैन । हुनक कहब अनुसार अइ साल पहिल प्राथमिकतामे ४२, दोसर प्राथमिकतामे ४१ आ तेसर प्राथमिकतामे ३८ सहित जमा १ सओ २१ टा विधेयक पेश करबाक कहल गेल छल । ओइमध्ये कतेक विधेयकके मस्यौदा तैयार भेल अइछ तइ विषयमे सदनकेँ जानकारी करबाक लेल ओ माँग केलैन ।

सांसद माया प्रसाद शर्मा बितल भादब २३ आ २४ गतेके प्रदर्शनक क्रममे जइर क क्षति भेल नयाँ बानेश्वरस्थित संसद भवनके पुनर्निर्माणक अवस्थाके बारेमे प्रश्न केलैन । आवश्यक सुरक्षा व्यवस्था अपना क पुनर्निर्माण करबाक कहलाक बादो अखनधैरके प्रगति की कतेक भेल अइछ तइके जानकारी माँग केलैन । तहिना, सिंहदरबारस्थित नयाँ संसद भवन निर्माणके काज कतेक भेल अइछ तइ विषयमे सेहो ओ सरकारसँ जवाफ माँग केलैन  ।

सांसद सुमित्रा बिसी निर्धारित समयमे स्वच्छ, स्वतन्त्र आ भयरमुत्त वातावरणमे निर्वाचन एके चरणमे सम्पन्न करबाक आवश्यक भेल बतौलैन । निर्वाचन दू चरणमे करबाक आ निर्वाचन मिति आगु बढ़ेबाक अभ्यास लोकतान्त्रिक मूल्य–मान्यताविपरीत होबाक ओ धारणा व्यक्त केलैन ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय