जलेश्वरमे १ सओ २० करोड़क लागतमे फाइभस्टार होटल निर्माण हएत


जनकपुरधाम, २३ माघः महोत्तरीके जलेश्वरस्थित प्रकौलीमे १ सओ २० करोड़ टकाके लागतमे अत्याधुनिक फाइभस्टार होटल ‘साङ्ग्रिला प्रिमियर रिसोर्ट एन्ड क्यासिनो’ निर्माण होबए लागल अइछ ।

मधेश प्रदेशक पर्यटन क्षेत्रके प्रवर्द्धन तथा विकास करबाक उद्देश्यसँ सत्या समूहके लगानीमे निर्माण होबए लागल हाेटलमे अन्तर्राष्ट्रिय मापदण्डके लक्जरी रुम, विदेशी पर्यटककेँ लक्षित क अन्तर्राष्ट्रियस्तरके क्यासिनो, विवाह तथा कर्पाेरेट सम्मेलनक लेल अत्याधुनिक ब्याङ्क्वेटहल तथा प्रिमियम क्लब निर्माण हएत ।

होटल निर्माणक बाद स्थानीय २ सओसँ बेसी युवा प्रत्यक्ष रुपमे रोजगार होबाक उक्त समूहक प्रबन्ध निर्देशक धर्मा मण्डल जानकारी देलैन । करिब २२ कट्ठा जमीनमे निर्माण होबए लागल उक्त होटल निर्माणमे ७० प्रतिशत बैंक कर्जा तथा ३० प्रतिशत सत्या समूहके स्वपुँजी रहबाक प्रबन्ध निर्देशक मण्डलके कहब छैन । होटलके लेल जमीनक खरिद तथा नापनक्सा भ गेल अइछ ।

होटल निर्माणक बारेमे पत्रकारसभकेँ आइ जनकपुरधाममे जानकारी दैत प्रबन्ध निर्देशक मण्डल जनकपुर आ जलेश्वर तथा लगपास क्षेत्रके सङे सीमावर्ती पर्यटन तथा आगन्तुकके रहबाक आ मनोरञ्जनके प्रमुख केन्द्र बनेबाक दीर्घकालीन योजनाअनुसार ई होटल निर्माण कएल जाएत । होटल निर्माणसँ उक्त क्षेत्रमे व्यावसायिक कारोबार सेहो बढ़बाक अपेक्षा कएल गेल अइछ । रासस
Imagesourse:companydartanepal.com

ताजा खबर
लोकप्रिय