दन्तमञ्जन आ सौन्दर्य सामग्रीमे कड़ा नियमनके माँग


काठमाण्डू, २३ माघः नेपाल चिकित्सक सङ्घ दैनिक प्रयोग होएबला दन्तमञ्जनसहित मुह तथा दाँत सफाइके सामान आ सौन्दर्य सामानमे मानव स्वास्थ्यक लेल हानिकारक सिसा (लिड)के मात्रा पाएल गेल कहैत गम्भीर चिन्ता व्यक्त केलक अइछ ।

जनस्वास्थ्य तथा वातावरण प्रवर्द्धन केन्द्र (सेफेड)द्वारा हाले सार्वजनिक कएल गेल अध्ययन प्रतिवेदनमे गम्भीर तथ्य देखल गेल कहैत सङ्घ बालबालिकासहित आमनागरिकके स्वास्थ्यमे गम्भीर असर होएबला एहन सामग्रीके गुणस्तर मापन क कड़ा निगमन करबाक लेल नेपाल सरकारसँ माँग केलक अइछ ।

आइ एक विज्ञप्ति जारी करैत सङ्घ देशक विभिन्न शहरके दोकानसँ सङ्कलन कएल गेल नमूनाके परीक्षण कएलापर ३१ प्रतिशत नमूनामे अन्तर्राष्ट्रीय रूपमे स्वीकृत मापदण्डसँ बेसी सिसा रहल गम्भीर विषय भेल जनौलक अइछ ।

खास क दन्तमञ्जनके ४५ प्रतिशत नमूना आ बालबालिकाक लेल बजारमे उपलब्ध किछ सामग्रीमे सेहो सिसा भेटल जनौलक अइछ ।

बालबालिकामे सिसाके असर बौद्धिक विकासमे अवरोध, सिखाइमे कठिन, व्यवहारिक समस्या सङे दीर्घकालीन रूपमे दृष्टि, श्रवण आ स्नायु प्रणालीमे गम्भीर असर होबाक वैज्ञानिक प्रमाणसभ रहल सङ्घ उल्लेख केलक अइछ ।रासस

Imagesourse:nepalhealthnews.com

ताजा खबर
लोकप्रिय