समृद्ध नेपालक लेल ऊर्जा क्षेत्रके उत्पादन बढ़ेबाक चाही: अध्यक्ष घिसिङ


राजविराज (सप्तरी), २३ माघः उज्यालो नेपाल पार्टीके अध्यक्ष कुलमान घिसिङ समृद्ध नेपाल बनेबाक लेल ऊर्जा क्षेत्रके उत्पादन बढ़ेबाक चाही बताैलैन अइछ ।
आइ राजविराजमे उज्यालो नेपाल पार्टी आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे ओ आर्थिक समृद्धिक लेल विद्युतमे आत्मनिर्भर आ कृषि क्षेत्रके विकास करब जरुरी रहल बतौलैन । ऊर्जा क्षेत्रमे हमराद्वारा कएल गेल पहल आ सुधारसभ नेपालक लेल कार्यान्वयनयोग्य नमुना प्रस्तुत कएने घिसिङके कहब छल ।

ओ अपन अनुभवकेँ देशक समग्र आर्थिक रूपान्तरणमे उपयोग कएल जेबाक उल्लेख करैत १० वर्षमे ३० हजार मेगावाट विद्युत् उत्पादन करैत विद्युतसँ आम्दानी कएल जेबाक बतौलैन । “देश आत्मनिरर्भर बनेबाक आ नेपाली जनता सेहो निःशुल्क विद्युत वितरण करबाक अवस्था आइब सकैत छै । कृषि, खानेपानी, रोजगारी तथा ऊर्जा जकाँ आधारभूत क्षेत्रमे आत्मनिर्भरता हासिल नै कएने दीर्घकालिन विकास सम्भव नै हएत, एहिमे हमर पार्टी प्रष्ट छै”, अध्यक्ष घिसिङ कहलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय