काठमाण्डू, २५ माघः सर्लाही क्षेत्र नं ४ के प्रतिनिधिसभा सदस्यक उम्मेदवार नेपाली कांग्रेसक सभापति गगन कुमार थापा काठमाण्डूकेँ मधेश चिन्हेबाक लेल सर्लाहीसँ उम्मेदवारी देल गेल बताैलैन अइछ । गोकर्णेश्वर नगरपालिकामे बसोबास करैत विभिन्न व्यापार, व्यवसाय तथा पेसामे संलग्न रहल सर्लाही क्षेत्र नं ४ क मतदातासँ आइ आयोजित अन्तरक्रिया कार्यक्रममे सभापति थापा मधेश आ काठमाण्डूकेँ जोड़बाक लेल स्वयं उम्मेदवारी देल गेल बताैलैन ।
ओ कहलैन, “हमर परिवार पहाड़सँ काठमाण्डू आएल, हम माएसँ पहाड़केँ चिन्हलौँ । हम काठमाण्डूके बुझलौँ । अखन पार्टी सभापति भेलासँ कांग्रेसकेँ बढ़ेबाक लेल मधेशकेँ बिना बुझने राष्ट्रिय नेतृत्व नै कएल जा सकैत अइछ तँए हम मधेश आएल छी । हम अगिला पाँच सालमे काठमाण्डूकेँ मधेशक महत्व बुझाएब ।” अगिला पाँच सालमे मधेशक समग्र विकासमे योजनाबद्ध काज क आमनागरिकके दैनिकीमे परिवर्तन अनबाके प्रतिबद्धता केलैन ।
“सर्लाही–४ मे हमर शिक्षा, स्वास्थ्य, प्रविधि, कृषिसहित टोली अध्ययन करैत ताहि ठाँम कि कि जरुरी छै ताहि बारेमे सुझाव देलैन, अगिला पाँच सालमे ताहि ठाँम आवश्यकताक आधारमे काज करब । जेना अखन हमरा काठमाण्डू–४ के बासी एतहि चुनाव लडू से आग्रह कएने छल, अगिला पाँच सालमे सर्लाही–४ के बासी तहिने आग्रह करत तेना क काज करब”, सभापति थापा कहलैन । ओ अपन ज्ञान आ नेटवर्कके प्रयोग क शिक्षा, स्वास्थ्य आ उद्यमशीलताक विषयमे काज कएल जेबाक भेलासँ रसेरस समस्या कम होइत जेबाक विश्वास व्यक्त केलैन । रासस
Imagesourse:english.nepalnews.com





