महादेवबेँसीमे बस दुर्घटना, एक गोटेके मृत्यु


मलेखु (धादिङ), २५ माघः थाक्रे गाउँपालिकास्थित महादेवबेँसी लग दूटा यात्रीवाहक बस दुर्घटना भेलासँ एक गोटेके मृत्यु भेल अइछ । काठमाण्डूसँ रसुवा जा रहल बागमती प्रदेश ०१००६ ख ५२०८ नम्बरके बस आ दाङसँ काठमाण्डू जा रहल प्रदेश ३–०१००६ ख १५५२ नम्बरके बस आइ भोर एक दोसरसँ ठोकराएल छल ।

दुर्घटनामे मृत्यु भेल व्यक्तिके पहिचान नै भेल जिला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय गजुरी धादिङके प्रहरी निरीक्षक शिशिर थापा जानकारी देलैने । ठोकर देलाक बाद बस अनियन्त्रित भ सड़क कातमे भेल चाह दूकानमे ठोकरेलासँ एक गोटेके मृत्यु भेल ओ जानकारी देलैन । प्रहरी निरीक्षक थापा कहलैन “मृतकके पहिचान नै भेल छै । दुर्घटनामे घायल भेल व्यक्तिसभक संख्या यकिन होबाक बाँकी छै । अखन उद्धारक काज भ रहल छै । ”रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय