काठमाण्डू, २६ माघः नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीके संयोजक एवं पूर्वप्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ अपन पार्टी राखने माँगअनुसार समपूर्ण देश निर्वाचनमे लागल बतौलैन अइछ ।
नेकपा काठमाण्डू क्षेत्र नं. ५ आइ आयोजन कएने ‘पार्टी प्रवेश’ कार्यक्रममे ओ जेनजी आन्दोलनक भावनाअनुसार नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीके निर्माण भेल बतौलैन ।
“नेपालमे भेल सब कम्युनिष्ट शक्ति अटैजका नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी निर्माण कएने छी । अइ पार्टीमे अखन छोट आ बड़का २६ टा पार्टी जुड़ल छै, तँ हजारो कार्यकर्तासभ सेहाे जुड़ल छै”, ओ कहलैन ।
नेकपा सुरुसँ निर्वाचन कहने आ अखन सम्पूर्ण देश निर्वाचनमे लागल पूर्वप्रधानमन्त्री दाहाल बतौलैन ।
पूर्वप्रधानमन्त्री दाहाल सामाजिक संजालमे पपुलिज्मके नाममे लोकतन्त्रपर प्रहार करबाक काज भ रहल उल्लेख केलैन ।रासस





