काठमाण्डू, २८ माघः तैयारी नै भेल तथा समष्टिगत रूपमे तत्काल आर्थिक लाभ नै दैबला ‘खुद्रा तथा टुक्रा’ आयोजन मात्रे रोकल गेल अर्थमन्त्री रामेश्वरप्रसाद खनाल बताैलैन अइछ ।
राष्ट्रियसभाक आजुक बैसारमे नेपाल कम्युनिष्ट पार्टीके सांसद भुवनबहादुर सुनुवारके प्रश्नके जवाफ दैत ओ बजेटके दबाब आ प्राथमिकता पुनसंरचनाक कारण से निर्णय करए पड़ल स्पष्ट केलैन।
ओ आन्दोलनसँ क्षतिग्रस्त संरचनाके पुन:र्निर्माण, सार्वजनिक सेवा पुनःसञ्चालन, राष्ट्रियसभा आ प्रतिनिधिसभा निर्वाचनके लेल आवश्यक स्रोतके व्यवस्थापन, चालु तथा महत्वपूर्ण आयोजनामे कम विनियोजनके कारण सिर्जित दायित्व भुक्तानी, आर्थिक पुनरुत्थान तथा घायल आ शहिद परिवारकेँ राहत उपलब्ध करेलासँ दायित्व बजेटमे चाप पड़ल सभाकेँ जानकारी देलैन अइछ ।
मन्त्री खनाल डिजाइन, स्टिमेट तथा टेन्डर प्रक्रियामे गेल वा उपभोक्ता समितिसँ सम्झौता भ क आगू बढल आयोजना सम्बन्धित मन्त्रालयसँ पुष्टि करैत क्रमश फुकुवा क रहल आ बहुतो आयोजनाके नगद फुकुवा भ चुकल जानकारी सेहो देलैन । (रासस)





