आइ विश्व रेडियो दिवस


काठमाण्डू, १ फागुनः आइ विश्व रेडियो दिवस । रेडियो, संचार विज्ञ तथा प्रसारकसभक सहभागितामे विश्वके विभिन्न देशमे विविध कार्यक्रमक आयोजन क ई दिवस मनाओल जा रहल अइछ ।

संयुक्त राष्ट्रसङ्घीय शैक्षिक, वैज्ञानिक तथा सांस्कृतिक सङ्गठन (युनेस्को) के अगुवाइमे सन् २०१२ सँ ई दिवस मनेबाक सुरु भेल अइछ । सन् १९४६ मे राष्ट्रसङ्घीय रेडियो सेवा स्थापना भेल दिनके स्मरणमे ई दिवस मनेबाक सुरु भेल छल ।

युनेस्कोके अनुसार संचार माध्यमक रूपमे रेडियोके महत्वके बारेमे जनचेतना अभिवृद्धि सङे निर्णयकर्तासभकेँ सूचना पहुँच सुनिश्चित करए तथा रेडियोके उपयोग प्रोत्साहित करए एवं विश्वभैरके प्रसारकसभ बीच अन्तर्राष्ट्रिय सहकार्य सुदृढ़ बनाैनाइ दिवसके उद्देश्य अइछ ।

मानव समाजक विविधताकेँ उत्सवक रूपमे मनाबैबला सशक्त माध्यमके रूपमे रेडियोकेँ लेल जाइत अइछ । लोकतान्त्रिक संवादक लेल रेडियो महत्वपूर्ण मञ्चके रूपमे स्थापित अइछ । विश्वस्तरमे अखनो सबसँ बेसी सुनल जाएबला संचार माध्यमक रूपमे रेडियो अइछ ।

रेडियो ‘स्टेशन’सभ विविध समुदायकेँ सेवा दैत विभिन्न कार्यक्रम, दृष्टिकोण आ सामग्री प्रस्तुत करबाक तथा अपन संरचना आ संचालनमे सेहो श्रोताके विविधता प्रतिबिम्बित करबापर युनेस्को जोड़ देलक अइछ ।

समुदायकेँ एकताबद्ध करैत सकारात्मक परिवर्तनक लेल संवाद प्रवर्द्धन करबाक लेल रेडियो अद्वितीय रूपमे सक्षम रहल त्रिभुवन विश्वविद्यालय पत्रकारिता तथा आमसञ्चार केन्द्रीय विभागक उपप्राध्यापक श्रीराम पौडेल बतौलैन ।

विश्व रेडियो दिवसके अवसरमे विभिन्न रेडियो स्टेशन तथा प्रसारकसभ आइ विशेष कार्यक्रम, विचारमञ्च, प्रतियोगिता, कथा सङ्ग्रह तथा जनचेतनामूलक गतिविधि संचालन करत से युनेस्को जनौलक अइछ ।

तहिना, किछ अफ्रिकी राष्ट्रमे सांस्कृतिक कार्यक्रम, अन्तरक्रिया तथा चलचित्र प्रदर्शन कएल जाएत, तँ रेडियोके भविष्य आ एआई प्रभावक बारेमे सेहो परामर्श कएल जाएत । (रासस)
तस्बिरः युनेस्को

ताजा खबर
लोकप्रिय