काठमाण्डू, १ फागुन: कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त रामप्रसाद भण्डारी देशकेँ लयमे अनबाक एकमात्र माध्यम निर्वाचन भेल बताैलैन अइछ । सामुदायिक रेडियो प्रसारक सङ्घ १५ म् विश्व रेडियो दिवसके अवसरमे आइ एत आयोजित कार्यक्रममे ओ बितल भादब २३ आ २४ गतेके जेनजी आन्दोलनके बाद लय आ अनुशासनसँ बाहराएल देशकेँ लयमे अनबाक लेल आयोग निष्ठापूर्वक निर्वाचन सम्पन्न करबाक लेल काज क रहल बतौलैन ।
कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुुक्त भण्डारी निर्वाचन सम्पन्न करेबाक लेल रेडियोकर्मीसहित आमसञ्चारकर्मीके महत्त्वूर्ण भूमिका रहलासँ ताहिअनुसार सहयोगके आह्वान केलैन ।
ओ सामाजिक सञ्जालसँ गलत, भ्रामक आ हानिकारक सूचना फैलेबाक प्रयास सेहो भ रहलासँ सामुदायिक रेडियोसभ जागरण एवम् चेतना फैलेबाक चाही से कहलैन ।
“सामाजिक सञ्जालके गलत, भ्रामक आ हानिकारक सूचना रोकबाक लेल टिकटकसँ समझदारी भ चुकल छै, मेटासँ सेहो सम्झौता हएत । एहन सूचनाके सत्यतथ्य परीक्षणके विषयमे देशक अन्य मिडियासँ सेहो सम्झौता भेल छै”, कार्यवाहक प्रमुख आयुक्त भण्डारी कहलैन ।
कार्यक्रममे सङ्घ रेडियोकर्मीक लेल बनाएल गेल निर्वाचन आचारसंहिता सुनाएल गेल अइछ । (रासस)





