काठमाण्डू, १ फागुन : राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल निर्वाचनकेँ स्वच्छ, निष्पक्ष आ भयरहित वातावरणमे सम्पन्न करए लेल आवश्यक शान्ति सुरक्षाके प्रबन्ध सशक्त, सुदृढ आ प्रभावकारी बनेबाक निर्देशन देलैन अइछ । ताहि लेल आवश्यक स्रोत, साधन आ जनशक्ति प्रबन्धमे सरकारके विशेष ध्यान देबाक चाही सेहो कहलैन ।
राष्ट्रपति भवन शीतलनिवासमे आइ गृहमन्त्रीसहित चाइरटा सुरक्षा निकायक प्रमुखसभके भेटघाटमे राष्ट्रपति पौडेल उक्त निर्देशन देलैन अइछ ।
“लोकतन्त्रमे जनमतके उपयुक्त माध्यम निर्वाचन भेलासँ देशक वर्तमान अवस्थाकेँ निकास देत, तँए ई निर्वाचनकेँ भयरहित वातावरणमे सम्पन्न करए लेल सरकार आ सुरक्षा निकाय कोनो कसर बाँकी नै राखत”, उक्त भेटमे राष्ट्रपति पौडेलके कहब उद्यृत करैत हुनक प्रेस सल्लाहकार किरण पोखरेल जानकारी देलैन अइछ ।
भेटघाटमे गृहमन्त्री ओमप्रकाश अर्याल, नेपाली सेनाक प्रमुख अशोकराज सिग्देल, नेपाल प्रहरीक प्रमुख दानबहादुर कार्की, सशस्त्र प्रहरी बल नेपालके प्रमुख राजु अर्याल आ राष्ट्रिय अनुसन्धान विभागक प्रमुख टेकेन्द्र कार्कीके उपस्थिति छल । (रासस)





