एमालेके घोषणापत्रः श्रमिकके न्यूनतम पारिश्रमिक २५ हजार


काठमाण्डू, ८ फागुनः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) प्रतिनिधि सभा निर्वाचन २०८२ घोषणापत्र सार्वजनिक केलक अइछ अइछ । वृहस्पैतदिन आयोजित कार्यक्रममे पार्टी अध्यक्ष केपी शर्मा ओली घोषणा पत्र सार्वजनिक केलैन ।

एमाले तत्काल करैबला ११ काज, पाँच विकासक लेल आधारभूत घोषणा आ २५ समृद्धिके स्तम्भ समैट क घोषणा पत्र सार्वजनिक केलक अइछ । घोषणापत्रमे श्रमिकके तलब न्यूनतम पारिश्रमिक २५ हजार टका बनेबाक सेहाे उल्लेख अइछ ।

तहिना, सब विद्यालयके किशोरीसभकेँ निःशुल्क प्याड तथा कक्षा १० धैरके विद्यार्थीकेँ खानाके व्यवस्था करबाक एमालेके घोषणापत्रमे उल्लेख कएल गेल अइछ ।

तहिना, १८ सँ २८ वर्ष उमेर समूहक युवाकेँ एक वर्षधैर हरेक महिना निःशुल्क १० जीवी इन्टरनेट डाटा, युवा आ उद्यमीकेँ १० हजार टका बराबरके डलर कार्ड उपलब्ध करेबाक सेहो घोषणापत्रमे उल्लेख अइछ ।

एमालेक उच्च आर्थिक वृद्धिसँ वार्षिक चाइर लाख आ सूचना प्रविधिके क्षेत्रसहित लक्षित रोजगार कार्यक्रमसँ वार्षिक पाँच लाख रोजगारी सिर्जना करबाक घोषणापत्रमे उल्लेख कएल गेल अइछ ।

पाँच वर्षमे तीन लाख हेक्टर जमिनमे सिँचाइ सुविधा विस्तार करबाक, सब स्थानीय तहमे अस्पताल पूर्वाधार निर्माण, आधुनिक उपकरणके व्यवस्था, सेवाके गुणस्तर निर्धारण तथा जनशक्ति व्यवस्थापन क विश्वस्तरीय स्वास्थ्य सेवा स्वदेशमे उपलब्ध करेबाक घोषणापत्रमे उल्लेख अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय