आइ अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवस


काठमाण्डू, ९ फागुनः आइ अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवस छी । ‘बहुभाषिक शिक्षामे युवाके आवाज’ नारासँ विश्वके विभिन्न देशमे ई दिवस मनाएल जाइत अइछ ।

बहुभाषिकता आ बहुसांस्कृतिकताके माध्यमसँ विविधतामे एकता आ अन्तर्राष्ट्रीय समझदारी प्रवर्धन करब ई दिवसके उद्देश्य छी ।

ई दिवस सन् २०००सँ संयुक्त राष्ट्रसङ्घीय शैक्षिक, वैज्ञानिक तथा सांस्कृतिक सङ्गठन (युनेस्को) महासभाक आह्वानमे हरेक वर्ष फेब्रुवरी २१ मे मनाएल जाइत अइछ । सन् १९९९ मे बङ्गलादेशलके पहलमे युनेस्कोद्वारा मातृभाषा दिवस मनेबाक प्रस्ताव अनने छल । ई प्रस्तावकेँ राष्ट्रसङ्घीय महासभा सन् २००८ अनुमोदन करैत एकरा अन्तर्राष्ट्रीय भाषा वर्ष घोषणा कएने छल ।

एहि बीच, अन्तर्राष्ट्रीय भाषा दिवसके अवसरमे अइ ठाँमस्थित बङ्गलादेशक राजदूतावास शहिद स्मृति दिवसके सेहो कार्यक्रम आयोजन क रहल अइछ ।

शुक्रदिन इएह अवसरमे भाषा आयोग, उद्योग वाणिज्य तथा आपूर्ति एवम् संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयनमन्त्री अनिल कुमार सिन्हाके उपस्थितिमे एक कार्यक्रम आयोजित छल । ओइ अवसरमे उक्त मन्त्रालयक सचिव मुकुन्दप्रसाद निरौलाका सङे नेपालक लेल बङ्गलादेशक राजदूत शफीकुर रहमान उपस्थित छलैथ ।

युनेस्को अनुसार मातृभाषाक माध्यमसँ विकास, सांस्कृतिक विविधता आ अन्तरसांस्कृतिक संवाद सुनिश्चित, सहकार्य सुदृढ बनेबाक आ सबके लेल गुणस्तरीय शिक्षामे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह भेल अइछ ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय