काठमाण्डू, १० फागुनः सरकार पेट्रोलमे १० प्रतिशत इथानोल मिलेबाक नीति शीघ्र कार्यावंयनमे आनबाक तैयारी केलक अइछ । नेपाल आर्थिक पत्रकार समाज (सेजन) आइ आयोजन कएने ‘नेपालमे इथानोल मिश्रण नीतिः अवसर, चुनौती आ कार्यावंयनक रणनीति’ विषयक कार्यक्रममे सरकार तथा निजी क्षेत्रक प्रतिनिधि पेट्रोलमे इथानोल मिश्रण करबाक नीति शीघ्र कार्यावंयनमे आनबाक लेल जोड़ देलक अइछ ।
कार्यक्रममे उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्तिमन्त्री अनिल कुमार सिन्हा पेट्रोलमे इथानोल मिलेबाक निर्णय लम्बा अध्ययन आ परामर्शक बाद कार्यावंयनक चरणमे पहुँचल बतौलैन । इथानोल मिश्रणसम्बन्धी अध्ययन दू दशकसँ भ रहल उल्लेख करैत ओ कहलैन, “अइ विषयमे करिब २० सालसँ अध्ययन आ परामर्श होइत आएल छल । अखनधैर सब अध्ययन सम्पन्न भेलाक बाद पेट्रोलमे इथानोल मिलेबाक आदेश–२०८२ स्वीकृत भ चुकल छै । उक्त नीति शीघ्र राजपत्रमे प्रकाशित भेलाक बाद कार्यावंयनमे आनल जाएत ।”
पेट्रोलमे इथानोल मिलेबाक स्वच्छ ऊर्जाके लेल महत्त्वपूर्ण कदम भेल कहैत मन्त्री सिन्हा १० प्रतिशत इथानोल मिश्रण कएलापर नेपालसँ वार्षिक करिब छ अरब टका बराबरके पेट्रोलियम आयात कम करबाक दाबी केलैन । अइसँ व्यापार घाटा सेहो कम करबाक लेल सहयोग होबाक हुनक कहब छलैन ।
इथानोल उत्पादनक लेल उइँख जेहन कृषि उत्पादन बढ़बाक, कृषि भूमिके उपयोग विस्तार होबाक तथा आन्तरिक अर्थतन्त्रकेँ गतिशील बनेबाक लेल सहयोग होबाक मन्त्री सिन्हा विश्वास व्यक्त केलैन । नयाँ उद्योग स्थापना, औद्योगिक वातावरण, सुरक्षा, रोजगारी, कच्चापदार्थ उत्पादनलगायत क्षेत्रमे चुनौती रहल सेहो ओ स्वीकार केलैन । “अवसर सङे चुनौती सेहो छै । नगदेबाली केन्द्रित कृषि बढ़लासँ खाद्य सुरक्षामे असर होबाक जोखिम सेहो छै”, ओ कहलैन ।
अइ क्षेत्रमे विदेशी लगानी एबाक सम्भावना रहल उल्लेख करैत मन्त्री सिन्हा प्रतिस्पर्धा आवश्यक भेलाक बादो अस्वस्थ प्रतिस्पर्धा नै होबाक बतौलैन । इथानोलकेँ प्रतिस्पर्धी बनेबाक लेल पेट्रोलसँ इथानोलके दाम कम होबाक चाही आ ओइ लेल कार्यविधि जल्दी आनल जेबाक ओ जानकारी देलैन ।
प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद् कार्यालयक सचिव गोविन्द बहादुर कार्की पेट्रोलमे इथानोल मिश्रणक लेल विगतमे विभिन्न आयोग आ सुझाव समिति गठन कएल गेल उल्लेख करैत ओइ आयोग आ समितिक सिफारिसमे इथानोल मिश्रणसम्बन्धी आदेश सरकारसँ आएल जानकारी देलैन ।
तहिना, निजी क्षेत्रक प्रतिनिधिसभ इथानोल उत्पादनक लेल कच्चापदार्थ पर्याप्त भेलाक बादो उद्योग स्थापना करबाक लेल सहज वातावरण आवश्यक भेल बतौने अइछ । रासस





