भद्रपुर (झापा), १० फागुनः मेची भंसार कार्यालयसँ चालु आर्थिक वर्ष २०८२/८३ के माघ महिनाधैर इलाइँची निर्यात ५९ दशमलव ८० प्रतिशतसँ बढ़ल अइछ । कार्यालयके तथ्याङ्क अनुसार उक्त अवधिमे आठ अरब ६१ करोड़ २० लाख सात हजार टका बराबरके इलाइँची निर्यात कएल गेल अइछ ।
चालु आर्थिक वर्षक दश महिनाके अवधिमे चाइर हजार १ सओ ५३ दशमलव १५ मेट्रिकटन इलाइँची निर्यात कएल गेल मेची भंसार कार्यालयके सूचना अधिकारी ईश्वर कुमार हुमागाईँ जानकारी देलैन । आर्थिक वर्ष २०८१/८२ के ओएह अवधिमे पाँच अरब ३८ करोड़ ८० लाख २० हजार टका बराबरके इलाइँची निर्यात कएल गेल ओ बतौलैन ।
कार्यालयके तथ्याङ्क अनुसार चालु आर्थिक वर्षके दश महिनामे चायपतिके निर्यात २६ दशमलव ७० प्रतिशतसँ घटल अइछ । उक्त अवधिमे दू अरब ३२ करोड़ १२ लाख ५६ हजार टका बराबरके चायपति निर्यात कएल गेल अइछ । आर्थिक वर्ष २०८१/८२ के ओएह अवधिमे तीन अरब १६ करोड़ ६२ लाख १३ हजार टका बराबरके चायपति निर्यात कएल गेल सूचना अधिकारी हुमागाईँ जानकारी देलैन ।
कार्यालयके तथ्याङ्क अनुसार निर्यात होएबला मुख्य सामानमे भेनियर सिट ९१ दशमलव १० प्रतिशत, छुर्पी ६३ दशमलव ३० प्रतिशत, आदी, सोइँठ एक सओ एक दशमलव ८० प्रतिशत, कोबी, ब्रोकाउली आ बन्दा कोबी ३६ दशमलव १० आ मौसरीके दाइल ३१६ दशमलव २० प्रतिशत, जड़ीबुटी ९२ दशमलव ९ प्रतिशतसँ वृद्धि भेल अइछ ।
तहिना, प्लाउड ४० दशमलव ९० प्रतिशत, अम्रिसो २४ दशमलव ९० प्रतिशतसँ कमी भेल अइछ । मेची भंसारसँ चालु आर्थिक वर्ष २०८२/८३ के माघ महिनाधैर १६ अरब तीन करोड़ १५ लाख ८३ हजार टका बराबरके मालसामान निर्यात कएल गेल अइछ । रासस





