चरौदीमे बस दुर्घटनाः दू विदेशीसहित १७ गोटेके मृत्यु


मलेखु (धादिङ), ११ फागुनः पृथ्वी राजमार्ग अन्तर्गत धादिङके बेनिघाट रोराङ गाउँपालिका–७ चरौदी लग यात्रीवाहक बस दुर्घटना भेलासँ १७ गोटेके मृत्यु भेल अइछ ।

पोखरासँ काठमाण्डू आइब रहल ग २ ख १४२१ नं. के बस त्रिशूली नदी कातमे खसल छल । दूर्घटनामे ११ गोटे पुरुष आ छ गोटे महिलाके घटनास्थमे मृत्यु भेल अइछ ।

ओइमध्ये एक गाेटे महिला आ एक गाेटे पुरुष विदेशी नागरिक अइछ । बसमे ४४ गोटे सवार छल । घायल भेल २४ गोटेके उद्धार क अस्पताल पठाएल गेल अइछ ।

दुर्घटनास्थलपर उद्धार काज सम्पन्न भेल अइछ । किछ घायल भेल व्यक्तिकेँ स्थानीय अस्पतालमे इलाज कएल गेल अइछ, तँ अधिकांशकेँ काठमाण्डू पठाएल गेल अइछ ।

जिलाक तीनू सुरक्षा निकाय आ स्थानीय उद्धार कएने छल । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय