काठमाण्डू, १२ फागुनः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की मानव अधिकारक संरक्षण आ प्रवर्द्धनप्रति नेपाल सरकार पूर्ण प्रतिबद्ध रहल बतौलैन अइछ ।
प्रधानमन्त्री कार्की आइ जेनेभामे आयोजित संयुक्त राष्ट्रसङ्घीय मानव अधिकार परिषद्क ६१म सत्रकेँ भिडियोमार्फत सम्बोधन करैत सुदृढ़ नीतिगत, कानुनी तथा संस्थागत संयन्त्रमार्फत मानव अधिकारक प्रभावकारी कार्यावंयनमे नेपाल निरन्तर क्रियाशील रहल बतौलैन ।
नेपालक संविधान मानव अधिकार तथा मौलिक स्वतन्त्रताकेँ लोकतान्त्रिक शासन व्यवस्थाके आधारस्तम्भके रूपमे स्थापित कएने उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री कार्की सब प्रकारक मानव अधिकारक संरक्षण आ प्रवर्द्धनमे सरकार प्रतिबद्ध रहल बतौलैन ।
संयुक्त राष्ट्रसङ्घके वडापत्रमे उल्लेख कएल गेल उद्देश्य आ सिद्धान्तप्रति नेपाल पूर्ण रूपमे प्रतिबद्ध रहल कहैत प्रधानमन्त्री कार्की सङ्क्रमणकालीन न्याय प्रक्रियाकेँ पारदर्शी, समावेशी, विश्वसनीय आ पीड़ित–केन्द्रित ढङ्गसँ आगु बढ़ेबाक बतौलैन । सत्य, न्याय, उत्तरदायित्व आ दीर्घकालीन मेलमिलाप सुनिश्चित केनाइ सरकारक लक्ष्य रहल हुनक कहब छलैन ।
बितल भादबमे भेल युवा आन्दोलनकेँ स्मरण करैत ओ अपन सरकारक प्रमुख दायित्व उत्तरदायित्व सुनिश्चित करब, भ्रष्टाचार विरुद्ध कड़ा निर्णय करब तथा सुशासन प्रवर्द्धन केनाइ रहल बतौलैन ।
इएह फागुन २१ गतेके लेल निर्धारित प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन स्वतन्त्र, निष्पक्ष आ विश्वसनीय रूपमे सम्पन्न करबाक लेल सम्पूर्ण तैयारी कएल गेल जानकारी दैत प्रधानमन्त्री कार्की लोकतान्त्रिक मूल्य आ मानव अधिकारक सम्मान तथा संरक्षणप्रति सरकार अडिग रहल बतौलैन ।
नेपाल बहुपक्षीय सहकार्य आ रचनात्मक संवादकेँ उच्च महत्त्व देबाक उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री कार्की विश्वभैर मानव अधिकारक संरक्षण आ प्रवर्द्धनक लेल सदस्य राष्ट्र तथा साझेदार सङे सहकार्य करबाक लेल तत्पर रहल बतौलैन । रासस





