महेन्द्रनगर (धनुषा), १५ फागुनः नेपाली कांग्रेसक नेता एवम् धनुषा निर्वाचन क्षेत्र नं ३सँ प्रतिनिधिसभा सदस्यक उम्मेदवार विमलेन्द्र निधि संविधानकेँ सही रस्तामे आनब प्रमुख राष्ट्रिय जिमेवारी भेल बताैलैन अइछ ।
आइ जनकपुरधाममे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे ओ देशक राजनीतिक अस्थिरता, व्यवस्थाप्रति बढ़ैत असन्तुष्टि तथा सङ्घीय संरचनाके प्रभावकारी कार्यान्वयनमे रहल कमजोरीप्रति चिन्ता व्यक्त करैत संविधानकेँ ‘लिकमे अनबाक’ लेल सब राजनीतिक शक्ति एकजुट होएबाक चाही से कहलैन ।
नेता निधि संविधान कार्यान्वयनमे देखल गेल जटिलता हटा क सङ्घ, प्रदेश आ स्थानीय तहबीच समन्वय सुदृढ करब आवश्यक रहल बतौलैन । “संविधान उत्कृष्ट दस्तावेज छियै, मुदा एकर कार्यान्वयनमे इमान्दारिता आ प्रतिबद्धता जरूरी छै”, ओ कहलैथ, “जनताक अधिकार सुनिश्चित करब आ विकासके गति बढ़ेबाक लेल संविधानके मर्मअनुसार काज करए पड़त ।”
नेता निधि सङ्घीयता, समावेशिता, धर्मनिरपेक्षता आ लोकतान्त्रिक गणतन्त्रकेँ संस्थागत करैत आगू बढ़ेबापर जोड़ दैत संविधानपर अनावश्यक टीकाटिप्पणी नै क एकर सफल कार्यान्वयनपर ध्यान देबाक चाही बतौलैन । “सुशासन, पारदर्शिता आ जवाफदेहिताकेँ प्राथमिकतामे राखए पडत, मुदा “राजनीतिक स्थायित्वविना आर्थिक समृद्धि सम्भव नै छै । तँए दलसभक बीच सहमति आ सहकार्यके संस्कृति विकास करए पड़त । परिवर्तनकेँ संस्थागत करए पड़त”, ओ कहलैन ।
पत्रकारसभके जिज्ञासामे नेता निधि मधेश प्रदेशमे विकास निर्माणक सवाल, रोजगारी सिर्जना तथा कृषि आधुनिकीकरण जकाँ विषयमे सब मिल क चलबाक चाही से विचार व्यक्त केलैन । रासस





