काठमाण्डू, १७ फागुनः स्थानीय बजारमे आइ सोना चाँदीके दाम बढ़ल अइछ । बितल शुक्रदिनक तुलनामे आइ सोनाके दाम तोलामे पाँच हजार ६ सओ टका आ चाँदीके दाम तोलामे दू सओ ४५ टकासँ बढ़ल अइछ ।
नेपाल सुनचाँदी व्यवसायी महासङ्घक अनुसार आइ सोनाके दाम प्रतितोला तीन लाख २० हजार ५ सओ टका कायम भेल अइछ । बितल शुक्रदिन सोना प्रतितोला तीन लाख १४ हजार ९ सओ टकामे कारोबार भेल छल ।
तहिना, आइ चाँदीके दाम प्रतितोला पाँच हजार ९ सओ ८५ टका कायम भेल अइछ । बितल शुक्रदिन चाँदी प्रतितोला पाँच हजार ७ सओ ४० टकामे कारोबार भेल छल ।
अन्तर्राष्ट्रिय सञ्चारमाध्यमसभक अनुसार आइ अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे एक औँस सोना पाँच हजार २ सओ ७८ टका आ ओएह परिमाणक चाँदी ९४ अमेरिकी डलरमे कारोबार भ रहल अइछ । रासस





