‘निर्विघ्न रूपमे निर्वाचन सम्पन्न करेबाक लेल सबके सहयोग अपरिहार्य छै’


काठमाण्डू, १७ फागुनः निर्वाचन आयुक्त डा. जानकी कुमारी तुलाधर निर्विघ्न रूपमे निर्वाचन सम्पन्न करेबाक लेल सङ्घ, प्रदेश, स्थानीय सरकार, राजनीतिक दल, उम्मेदवार आ सरोकार भेल सबकेँ सहयोगक लेल अनुरोध केलैन अइछ ।

अगिला वृहस्पैतदिन होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक सन्दर्भमे निर्वाचन आयोगक सामाजिक सञ्जालसँ सन्देश दैत आयुक्त डा. तुलाधर सब तहके सरकार आ सरोकार भेल पक्षसँ सहकार्य आ सहयोगक लेल अनुरोध केलैन अइछ ।

आयुक्त डा. तुलाधर देश निर्वाचनमय भ चुकल आ सब पक्षसँ सहयोग हएत से विश्वास व्यक्त केलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय