फागुपूर्णिमा आपसी सद्भाव कायम राखबाक लेल प्रेरणा प्रदान करतः राष्ट्रपति पौडेल


काठमाण्डू, १८ फागुनः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल नेपालीसभक विशेष पाबैन फागुपूर्णिमासँ समाजमे आपसी सद्भाव कायम राखबाक लेल थप प्रेरणा प्रदान करत से कामना केलैन अइछ ।

होरी पाबैनके सुखद अवसरमे आइ शुभकामना सन्देश जारी करैत ओ स्वदेश तथा विदेशमे रहल सम्पूर्ण नेपालीमे सुख, शान्ति तथा समृद्धिके लेल मङ्गलमय शुभकामना व्यक्त केलैन । राष्ट्रपति पौडेलद्वारा जारी सन्देशमे कहल गेल अइछ, “होरी पाबैन समाजमे विद्यमान विभिन्न प्रकारक विकृति, विसङ्गति एवम् कुरीतिकेँ निर्मूल करैत मौलिक संस्कृतिके संरक्षण आ संवर्द्धन करए तथा समाजमे आपसी सद्भाव कायम राखबाक लेल थप प्रेरणा प्रदान करए से शुभकामना व्यक्त करैत छी ।”

असत्यपर सत्यके, अन्यायपर न्यायके, दूराचारपर सदाचारके आ अधर्मपर धर्मके विजय भेल खुसियालीमे मनाएल जाएबला होरी पाबैनमे वैरभाव परित्याग क प्रेमभाव आ आत्मीयतासँ आफन्तजन एवम् साथीभाइ सङे एक दोसरके अबिर तथा रंग लगाबैत सद्भाव प्रकट करबाक तथा मनोरञ्जन करएबला परम्परा रहल राष्ट्रपति पौडेलके कहब छैन ।

रंगसभक पाबैनक रुपमे प्रत्येक साल फागुपूर्णिमा पाबैन देशभैर वसन्त ऋतुके अनेक रंगसभकेँ प्रतिविम्बित करएबला पाबैनक रुपमे हर्षोल्लासपूर्वक मनाओल जाइत अइछ ।

होरीमे खेलएबला विविध रंगजका नेपाली समाज सेहो जातीय, भाषिक आ सांस्कृतिक रुपमे विविधतापूर्ण रहल आ ओएह विविधता बीचके एकता अपनासभक पहिचान आ सुन्दरता भेल राष्ट्रपति पौडेल उल्लेख केलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय