काठमाण्डू, २६ फागुनः भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)के सभापति रवि लामिछाने आ वरिष्ठ नेता बालेन्द्र साह (बालेन)केँ बधाइ तथा शुभकामना देलैन अइछ ।
प्रधानमन्त्री मोदी सोमदिन दूनु गोटेसँ टेलिफोनमे बातचित करैत नेपालक निर्वाचनमे हासिल कएने जीत तथा रास्वपाके उल्लेखनीय सफलताके लेल दूनु नेताकेँ बधाइ देने सामाजिक सञ्जाल एक्समे उल्लेख केलैन ।
तहिना, आब बनएबला नयाँ सरकार गठनके लेल शुभकामना व्यक्त करैत भारत नेपालसँ आपसी समृद्धि, प्रगति आ दूनु देशक जनताके हितके लेल सहकार्य करबाक लेल प्रतिबद्ध रहल प्रधानमन्त्री मोदी उल्लेख केलैन ।
प्रधानमन्त्री मोदी दूनु देशक संयुक्त प्रयाससँ आबैबला सालमे नेपाल–भारत सम्बन्ध आओर नयाँ उचाइमे पहुँचत से विश्वास व्यक्त केलैन ।(रासस)





