मौसमी प्रतिकूलताके कारण वायु प्रदूषण बइढ़ रहल


काठमाण्डू, २६ फागुनः बितल किछ दिनसँ मौसमी प्रतिकूलताके कारण देशक विभिन्न भागमे वायु प्रदूषणके स्तर बइढ़ रहल अइछ ।
विशेष क काठमाण्डू, पोखरालगायत देशक पैघ सहर बाहेक तराईके अधिकांश स्थानमे ‘पिएम’ (प्रदूषणक सूक्ष्म कणसभ) दू दशमलव पाँच पहुँचल अइछ । वन तथा वातावरण मन्त्रालयअन्तर्गतके वातावरण विभाग वायु प्रदूषणके प्रभावसँ बचबाक लेल आम नागरिककेँ अनुरोध केलक अइछ ।
विभाग आइ अपिलमार्फत वायु प्रदूषण बेसी भेलाक कारण घरसँ बाहर निकलैत समय मास्कके प्रयोग करए, अपन सवारीसाधनके नियमित मर्मत करए आ कचरा तथा बालीनालीके अवशेष नै जराबए लेल अनुरोध केलक अइछ ।
तहिना, वन–जङ्गलमे आइग नै लगाबए आ आइग लागल अवस्थामे तत्काल नियन्त्रण करबाक प्रयास करए, निर्माण गतिविधि करैत समय गर्दा नै उड़ए ओइके व्यवस्था करए, उद्योग कलकारखाना सञ्चालन करैत समय सरकारद्वारा निर्धारित मापदण्ड पूर्ण रुपमे पालन क सञ्चालन करबाक लेल विभागक महानिर्देशक ज्ञानराज सुवेदी अनुरोध केलैन अइछ ।
वायु प्रदूषण न्यूनीकरणके लेल जिमेवार सब निकाय आ आम नागरिकके सहकार्य आ सकारात्मक प्रयास भेलाक बाद मात्रे प्रदूषण न्यूनीकरण करबाक लेल सम्भव आ सहज हएत कहैत ओ सबके अनुरोध केलैन ।
प्रदूषण भोर–साँझके समयमे उच्च होइत अइछ । लम्बा समयसँ वर्षा नै भेलाक कारण अइ समयमे वायु प्रदूषण बढ़बाक समस्या होइत आएल विभागक कहब अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय