वर्षा सङे घटल वायु प्रदूषणके दर


काठमाण्डू, २९ फागुनः बितल किछ समयसँ काठमाण्डू उपत्यकालगायत मुख्य सहरमे भेल वायु प्रदूषणके दर कम होबए लागल अइछ । वृहूपैतदिन दुपहरधैर प्रदूषणके वायु गुणस्तर सूचकाङ्क १७८ हाराहारी भेलमे आइ दुपहर वायु गुणस्तर सूचकाङ्क १४९ कायम भेल एयर क्वालिटी इन्डेक्स (एक्युआइ) के तथ्यांकमे देखल गेल अइछ ।

वृहस्पैतदिन दुपहरधैर काठमाण्डू विश्वके दोसर प्रदूषित सहरके रूपमे सूचीकृत भेल छल । मुदा, आइ ओएह समयमे काठमाण्डू १२म स्थानमे अइछ । किछ दिनसँ मौसम गुम्म भेलासँ वायु प्रदूषण बढ़ल छल ।

वातावरण विभागके महानिर्देशक ज्ञानराज सुवेदी वृहस्पैतदिन भेल वर्षाके कारण आइ वायु प्रदूषण सेहो कम भेल जानकारी देलैन ।

वातावरणविद् भुषण तुलाधर समयमे पूर्वतैयारी, पातपतिङ्गर व्यवस्थापन, वन जंगलके आइग नियन्त्रण तथा सवारीसाधनके धुवाँ परीक्षण आ मापदण्डके कड़ाइसँ कार्यावंयन करबाक आवश्यक भेल सुझाव देलैन ।

जल तथा मौसम विज्ञान विभागक मौसमविद् सञ्जिव अधिकारी वृहस्पैतदिनसँ मौसममे सुधार आएल आ वर्षा भेलाक बाद वायुमे रहल प्रदूषण कम करबामे मद्दत भेल जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार बितल २४ घण्टामे सबसँ बेसी वर्षा बागमती प्रदेशक चितवनके नारायणी फिल्ड कार्यालयमे रहल मौसम मापन केन्द्रमे १२६.२ मिलिमीटर मापन कएल गेल अइछ ।

तहिना, गण्डकी प्रदेशके लमजुङ घरेढुङ्गा केन्द्रमे १०२.२ मिलिमीटर आ गोरखाके बारपाक केन्द्रमे ९० मिलिमीटर वर्षा मापन कएल गेल अइछ । तहिना, कोशी प्रदेशक उदयपुर कटारीमे ९८.४ मिलिमीटर तथा झापाके चन्द्रगढी विमानस्थल केन्द्रमे ९६.४ मिलिमीटर वर्षा मापन कएल गेल ।

एक्युआइके मापदण्डअनुसार ० सँ ५० धैर ‘नीक’ मानल जाइत अइछ, तँ ५१ सँ १ सओधैर ‘सचेत रहबाक’ श्रेणीमे पड़ैत अइछ । एक सओ एकसँ १ सओ ५० ‘अस्वस्थ’ मानल जाइत अइछ । अइसँ विशेष क श्वासप्रश्वास तथा हृदय रोगीकेँ असर क सकैत अइछ । एक सओ ५१ सँ २ सओ ‘सबके लेल अस्वस्थ’, २ सओ १ सँ ३ सओ ‘बेसी अस्वस्थ’ आ ३ सओसँ बेसी ‘अत्यन्त खतरनाक’ मानल जाइत अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय