काठमाण्डू, २९ फागुनः विवादित डेडिकेटेड आ ट्रङ्क लाइन महसुल विवादक सम्बन्धमे विद्युत् नियमन आयोगमे अगिला चैत १ गते सुनुवाइ होबाक निर्धारण कएल अइछ । ओइ दिन पञ्चकन्या प्लास्टिक इन्डस्ट्रिज प्रालि आ पञ्चकन्या स्टिलके सम्बन्धमे सुनुवाइ हाेबाक आयोग जनौलक अइछ ।
विवादित महसुलके सम्बन्धमे सुरुआती सुनुवाइ आयोगमे होबाक आ आयोगद्वारा देल जाएबला निर्णय सन्ताेषजनक नै भेल तँ अदालत जाए सकबाक व्यवस्था अइछ । नेपाल विद्युत् प्राधिकरणद्वारा निर्धारण कएल गेल महसुलक सम्बन्धमे सन्तुष्टि नै भेल कहैत किछ उद्योगीसभ आयोगमे निवेदन देने छल ।
निरन्तर रूपमे महसुलके सम्बन्धमे आयोग सुनुवाइ करैत आएल अइछ । आयोग प्रचलित नियम, कानुन तथा विगत नजिरके आधारमे आवश्यक निर्णय करैत आएल अइछ । आयोगक सूचनाअनुसार प्राधिकरण निर्धारण कएने महसुलके सम्बन्धमे सन्तुष्टि नै भेल कहैत पञ्चकन्या प्लास्टिक आ पञ्चकन्या स्टिल निर्णयके लेल आयोगमे आवेदन देने छल ।
ओइ आवेदनमे प्राधिकरण डेडिकेटड फिडर तथा ट्रङ्क लाइनसँ विद्युत् सप्लाई लेने उपभोक्ताकेँ बक्यौता विद्युत् महसुल बुझेबाक अन्यायपूर्ण निर्णय खारेज क क्षतिपूर्ति उपलब्ध कराबए लेल माँग कएल गेल अइछ ।
सुनुवाइके लेल आयोग आवेदनकर्ताके कानुन व्यवसायी आ प्राधिकरणके दिससँ कानुन विभागक तीन गोटे अधिकारीकेँ उपस्थित होबाक लेल आग्रह केलक अइछ । नेपालक ऊर्जा क्षेत्रक नियमनकारी निकायके रूपमे रहल आयोग अइ क्षेत्रक विवाद निरुपण करैत आएल अइछ । रासस






