काठमाण्डू, २९ फागुनः परराष्ट्र मन्त्रालयमातहतके राहदानी विभाग अन्तरिम अवस्थामे राहदानी वितरण प्रणाली किछ दिन बन्द होबाक जनौलक अइछ ।
पुरान प्रणाली विस्थापित क नयाँ प्रणाली जड़ानक क्रममे एक हप्ताधैर सेवा अवरुद्ध होबाक विभाग स्पष्ट केलक अइछ । विभाग सूचनामार्फत जिला एवं इलाका प्रशासन तथा विदेशस्थित नेपाली नियोगसँ प्रदान कएल जाएबला राहदानी सेवा एकसँ तीन दिनधैर बन्द होबाक जनौलक अइछ । राहदानी विभागसँ प्रदान कएल जाएबला सेवा एक हप्ताधैर अवरुद्ध होबाक सूचनामे उल्लेख अइछ ।
नयाँ प्रणाली जड़ान एवं कार्यावंयन भेलाक बाद प्रणाली स्थिरीकरण होबाक लेल एकसँ तीन महिनाधैर समय लागत कहैत उक्त अन्तरिम अवधिमे जिला, इलाका प्रशासन कार्यालय तथा विदेशस्थित नेपाली नियोगसँ आवेदन दैत समय राहदानी तैयार भ जारी होबाक लेल अखनसँ बेसी समय लागत सेहाे विभाग जनाैलक अइछ ।
विभाग नयाँ प्रणाली जड़ानक प्रक्रिया आगु बढ़ाबए लागल अइछ । अगिला पाँच महिनाधैर राहदानी आवश्यक भेल सेवाग्राहीसभकेँ अन्तरिम अवस्था सुरु होबएसँ पहिने सम्बन्धित निकायसँ सेवा लेबाक लेल विभाग आग्रह केलक अइछ । नयाँ प्रणालीके सूचना निकट भविष्यमे जारी करबाक विभाग उल्लेख केलक अइछ ।रासस





