सर्लाहीमे स्कारपियोके ठोकरसँ एक व्यक्तिके मृत्यु, ११ गोटे घायल


मलङ्गवा (सर्लाही), ३० फागुनः सर्लाहीके बरहथवामे स्कारपियोके ठोकरसँ एक व्यक्तिके मृत्यु भेल अइछ तँ ११ गोटे घायल भेल अइछ ।

शुक्रदिन साँझ बरहथवा नगरपालिका–१० सीतापुरस्थित सड़कमे बरहथवासँ सीतापुरदिस जा रहल डि एल ९ सि जेड ०७७७ नम्बरके स्कारपियो बरियाती आएल व्यक्तिसभकेँ ठोकर देलक से सर्लाहीक प्रहरी प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक सरोज राई जानकारी देलैन ।

हुनक कहब अनुसार दुर्घटनामे घायल भेल बरहथवा नगरपालिका–९ निवासी करिब ५० वर्षीय नारायण जर्गा मगरकेँ इलाजक लेल नगर अस्पताल बरहथवा पहुँचेलापर चिकित्सक शुक्रदिन मृत घोषणा कएने अइछ ।

रौतहट दोस्तिया पिपरिया निवासी ७० वर्षीय कमल पटेल, रौतहट गढीमाई नगरपालिका–११ निवासी विकास पटेलके श्रीमती करिब ४५ वर्षीय बन्धना पटेल, बरहथवा–१० निवासी १८ वर्षीय रुपेश मण्डल, १५ वर्षीय प्रतिमा कुमारी पटेल, १९ वर्षीय दिलीप राय, बरहथवा–७ निवासी २३ वर्षीय चन्दन पासवान, बरहथवा–१० निवासी १२ वर्षीय दीपिका जैसवाल, २० वर्षीय रामजी राय, २३ वर्षीय मुकेश राउत, ५५ वर्षीय रामनारायण ठाकुर आ उनकी श्रीमती ४५ वर्षीय गुलाब कुमारी मण्डल घायल भेल अइछ ।

जाहिमे किछ व्यक्तिके अवस्था गम्भीर रहल प्रहरी जनौलक अइछ । घायलसभके बरहथवास्थित विभिन्न अस्पतालमे इलाज भ रहल प्रहरी जनौलक अइछ ।

दुर्घटनाके बाद स्कारपियो चालक बरहथवा नगरपालिका–१२ लौकठ निवासी करिब ४० वर्षीय नरेश ठाकुरकेँ प्रहरी नियन्त्रणमे लेल गेल अइछ । घटना सम्बन्धमे आओर अनुसन्धान भ रहल इलाका प्रहरी कार्यालय बरहथवा जनौलक अइछ ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय