महेन्द्रनगर (धनुषा), १ अखार : मधेश प्रदेश सरकार आगामी आर्थिक वर्ष २०८३/०८४ के लेल ४१ अरब १३ करोड़ ८६ लाखके बजेट सार्वजनिक केलक अइछ ।
प्रदेश सभाके आइ भेल बैसारमे अर्थमन्त्री युवराज भट्टराई राजस्व तथा व्ययके वार्षिक अनुमान प्रस्तुत करैत उक्त बजेट घोषणा केलैन । मधेश प्रदेश सरकार चालु आर्थिक वर्ष २०८२/८३ के लेल ४६ अरब ५८ करोड़के बजेट सार्वजनिक कएने छल । आगामी आर्थिक वर्षके लेल प्रस्तुत कएल गेल बजेट बितल सालके तुलनामे करिब १३ प्रतिशतसँ कम अइछ । स्रोतके सीमितता तथा खर्च व्यवस्थापनकेँ ध्यानमे राइख क बजेटके आकार घटाओल गेल सरकारके कहब अइछ ।
कूल बजेटमध्ये चालुदिस १४ अरब ६६ करोड़ अर्थात् ३५ दशमलव ६४ प्रतिशत आ पुँजीगतदिस २६ अरब ४७ करोड़ अर्थात् ६४ दशमलव ३६ प्रतिशत विनियोजन कएल गेल अइछ । प्रदेश सरकार विकास निर्माण तथा पूर्वाधार विस्तारकेँ प्राथमिकतामे राइख पुँजीगत खर्चके हिस्सा बढ़ाएल गेल जनौलक अइछ ।
अर्थमन्त्री भट्टराईके कहब अनुसार बजेट कार्यावंयनक लेल आवश्यक स्रोत व्यवस्थापनमे आन्तरिक राजस्वसँ ११ अरब २२ करोड़ ७५ लाख टका सङ्कलन होबाक अनुमान कएल गेल अइछ । तहिना, राजस्व बाँटफाँटसँ १२ अरब ८३ करोड़, वित्तीय समानीकरण अनुदानसँ नौ अरब ४९ करोड़ ५९ लाख तथा बितल आर्थिक वर्षके नगद मौज्दातसँ छ अरब आठ करोड़ ५२ लाख परिचालन कएल गेल अइछ ।
प्रदेश सरकारद्वारा आगामी आर्थिक वर्षके बजेटमार्फत उत्पादन वृद्धि, पूर्वाधार विकास, कृषि क्षेत्रके आधुनिकीकरण, स्वास्थ्य सेवाके विस्तार तथा सामाजिक सुरक्षाकेँ उच्च प्राथमिकतामे राखल गेल अइछ । प्रस्तुत बजेटसँ आर्थिक गतिविधि विस्तार, रोजगारी सिर्जना तथा प्रदेशक समग्र विकासमे सहयोग होबाक सरकारके विश्वास अइछ । (रासस)





