धनुषा, ३० फागुनःमधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्णप्रसाद यादव प्रदेश सरकारकेँ संवैधानिक अधिकार कार्यान्वयन भेलापर प्रदेशक बहुत समस्या समाधान प्रदेशेसँ कएल जेबाक उल्लेख करैत मधेशके समग्र विकासमे अपन ध्यान केन्द्रित रहल बताैलैन अइछ ।
जनकपुरमे निर्माण कएल जाएबला मधेश प्रदेश प्रहरी कार्यालय भवनके आइ शिलान्यास करैत ओ सङ्घीय व्यवस्थाके पूर्ण कार्यान्वयन भेलापर मधेशका नागरिक अपन अधिकार प्राप्तिक लेल बारम्बार काठमाण्डू कूदैत रहबाक जरुरी नै रहल बतौलैन ।
प्रदेश सरकार शिक्षा, स्वास्थ्य, कृषि, पूर्वाधार आ रोजगारीकेँ प्राथमिकता दैत उक्त क्षेत्रके विकासक लेल हरसम्भव प्रयास क रहल बतौलैन । पर्याप्त स्रोतसाधनके अभावमे जनअपेक्षा पूरा करब कठिन भेल हुनक कथन छल ।रासस





