बसके ठोकरसँ मोटरसाइकल चालकके मृत्यु


मलङ्गवा (सर्लाही), १ चैतः लालबन्दी नगरपालिका–१ बागबानीस्थित पूर्वपश्चिम लोकमार्गमे बसके ठोकरसँ मोटरसाइकल चालकके मृत्यु भेल अइछ । विराटनगरसँ काठमाण्डूदिस जा रहल लु प ०३–००१ ख ०४३० नम्बरके बस ओएह दिशामे जा रहल प्र २–०३–०१५ प ३३९६ नम्बरके मोटरसाइकलकेँ शैनदिस साँझ करिब ७ः३५ बजे ठोकर देने जिला प्रहरी कार्यालयके प्रवक्ता सरोज राई जानकारी देलैन ।

दुर्घटनामे मोटरसाइकल चालक पर्सा जिलाके वीरगञ्ज महानगरपालिका–१ छप्कैया भेल आ हाल सर्लाहीके लालबन्दी–१ नवलपुर रहैत आएल ३५ वर्षक सुनिल महतो गम्भीर घायल भेल छलैन । प्रहरी घायल भेल महतोकेँ तत्काल एम्बुलेन्समार्फत इलाजक लेल प्रादेशिक अस्पताल मलङ्गवा पठाैने छल । हुनक इलाजक क्रममे शैनदिन राइत ९ः०० बजे मृत्यु भेल प्रहरी नायब उपरीक्षक राई जानकारी देलैन । दुर्घटनामे संलग्न बस आ बसचालक दाङ जिला तुलसीपुर नगरपालिका–९ निवासी ३४ वर्षक गणेश बस्नेतकेँ प्रहरी नियन्त्रणमे ल इलाका प्रहरी कार्यालय लालबन्दीमे राखल गेल अइछ ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय