काठमाण्डू, १ चैतः नेपाली कांग्रेस केन्द्रीय कार्यसम्पादन समितिके बैसार आइ दुपहर १ः०० बजे पार्टी केन्द्रीय कार्यालय सानेपामे होबए लागल अइछ । प्रतिनिधि सभा सदस्यके निर्वाचनक बाद पहिल बेर कांग्रेस केन्द्रीय कार्यसम्पादन समितिक बैसार होबए लागल कार्यालयके कार्यवाहक मुख्यसचिव कृष्ण प्रसाद दुलाल जानकारी देलैन ।
हुनक कहब अनुसार समानुपातिक बन्दसूचीमे भेल उम्मेदवारसभमध्ये दल प्राप्त कएने सिट सङ्ख्याके आधारमे प्रतिनिधि सभा सदस्य छनौट क निर्वाचन आयोगमे पठेबाक बारेमे बैसारसँ निर्णय कएल जाएत ।
उक्त बैसारमे केन्द्रीय कार्यसम्पादन समितिके पदाधिकारी एवं सदस्यसभकेँ उपस्थितिके लेल कांग्रेस केन्द्रीय कार्यालय निर्देशानुसार अनुरोध कएल गेल अइछ । बितल फागुन २१ गते सम्पन्न प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे प्रत्यक्षदिस १८ आ समानुपातिकमे २० सिट कांग्रेस पार्टी जीतने अइछ ।
कांग्रेस प्रवक्ता देवराज चालिसे आइ समानुपातिक सदस्यके नाम निस्कर्स लगेबाक बारेमे निर्णय करबाक आ निर्वाचन आयोगकेँ सिफारिस करबाक बतौलैन ।रासस





