पश्चिम क्षेत्रसँ वर्षा सुरु


काठमाण्डू, १ चैतः नेपालक पश्चिम क्षेत्रसँ आइ भोरेसँ वर्षा सुरु भेल अइछ । जल तथा मौसम विज्ञान विभागके अनुसार पश्चिमी न्यूनचापीय प्रणालीके प्रभावसँ पश्चिमसँ सुरु भेल वर्षा धिरे-धिरे पूर्वदिस घुसैक रहल अइछ ।

विभागक सूचना अधिकारी दिनकर कायस्थ पश्चिम नेपालक डडेलधुरा, डोटी, अछाम, बाजुरा, बझाङ गुल्मी, कास्की, तनहुँ, पाल्पा, अर्घाखाँची, मनाङलगायत क्षेत्रमे आइ भोरेसँ वर्षा भ रहल कहैत वर्षा कराबएबला उक्त प्रणाली अखन चितवनधैर पहुँचल बतौलैन ।

विभागक मौसम पूर्वानुमान महाशाखा पश्चिमसँ सुरु भेल वर्षा पूर्वदिस घुसकैत गेल जनौलक अइछ । बितल एक घण्टामे गुल्मीमे १७ आ तनहुँमे ११ मिलिमिटर वर्षा भेल कहैत कायस्थ अखनो वर्षा भ रहल उल्लेख केलैन ।

अखन नेपालमे पश्चिमी न्यूनचापीय प्रणालीके प्रभाव रहल विभागक सूचना अधिकारी कायस्थ जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार अखन मधेश, बागमती, लुम्बिनी, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशमे साधारणतया मेघ लागल अइछ, तँ कोशी आ गण्डकी प्रदेशमे आंशिक मेघ लागल अइछ ।

देशक हिमाली क्षेत्रक किछ स्थानमे मेघगर्जन/ठन्कासहित मध्यम वर्षा होबाक सङे किछ क्षेत्रमे हिमपातके सम्भावना रहल विभागक सूचना अधिकारी कायस्थ जानकारी देलैन ।

हुनक कहब अनुसार आओर किछ दिन मौसममे बदली कायम रहत । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय