काठमाण्डू, २ चैतः नेपाल आयल निगम लिमिटेड पेट्रोलियम पदार्थके दाम बढ़लाैलक अइछ ।
अन्तरार्ष्ट्रिय बजारमे भेल मूल्य वृद्धि तथा आपूर्ति व्यवस्थापनक दबाबकेँ कारण बतबैत नेपाल आयल निगम पेट्रोल, डिजेल तथा मट्टीतेलके खुद्रा बिक्री दाम वृद्धि भेल जनाैलक अइछ ।
निगम अनुसार नयाँ दाम रैबदिनसँ लागू हाेएजका समायोजन कएल गेल अइछ । मूल्य समायोजनके बाद पेट्रोलमे प्रतिलिटर ३१ टका, डिजेलमे प्रतिलिटर ५४ टका तथा खाना बनाबएबला एलपि ग्यासमे २ सओ १६ टका वृद्धि कएल गेल अइछ ।
दाम वृद्धि भेलाक बाद आब पेट्रोल प्रतिलिटर १ सओ ८८ टका , डिजेल १ सओ ९६ टका आ एलपि ग्यास प्रति सिलिन्डर दू हजार १ सओ २६ टका कायम भेल अइछ ।
अन्तरार्ष्ट्रिय बजारमे बढ़ल दामके आधारमे उक्त कम्पनीसँ प्राप्त नयाँ मूल्यसूचीअनुसार नेपालमे मूल्य समायोजन करबाक अवस्था उत्पन्न भेल निगम जनाैलक अइछ । (रासस)





