पेट्रोलियम पदार्थके मूल्य वृद्धि भेल कहैत भाड़ा समायोजन करबाक माँग


काठमाण्डू, २ चैतः नेपाल यातायात व्यवसायी राष्ट्रिय महासङ्घ पेट्रोलियम पदार्थके मूल्य वृद्धि भेल कहैत सवारीसाधनमे भाड़ा समायोजन करबाक माँग केलक अइछ ।

महासङ्घक महासचिव डेकनाथ गौतम आइ विज्ञप्ति जारी करैत नेपाल आयल निगम बितल राइत पेट्रोलियम पदार्थमे कएने मूल्य वृद्धिप्रति गम्भीर ध्यानाकर्षण भेल बतौलैन अइछ । पेट्रोलियम पदार्थके प्रत्यक्ष उपभोग करएबला आम यातायात व्यवसायी आ उपभोक्ता वर्गक हितकेँ मध्यनजर नै क साबिकके दाममे एकाएक मूल्य वृद्धि कएलासँ देशभैर यातायात सेवा सञ्चालन करएबला यातायात व्यवसायी एवम् यात्रीमे प्रत्यक्ष असर पड़ल ओ बतौलैन ।

नेपाल आयल निगमके आन्तरिक चुहावट आ पेट्रोलियम पदार्थक खपतकेँ नियन्त्रण करैत वैज्ञानिक विधि अपना क पेट्रोलियम पदार्थके सहज आपूर्ति व्यवस्था मिलेबाक लेल नेपाल सरकारसमक्ष महासङ्घ माँग केलक अइछ ।

सार्वजनिक यातायात सञ्चालनमे सवारीसाधनसभ डिजेल/पेट्रोलके इन्धन प्रयोग क सञ्चालन भेलाक कारण पेट्रोलियम पदार्थके दाम कम बेसी भेलासँ प्रत्यक्ष असर सार्वजनिक सवारीसाधन सञ्चालनमे देखल गेल महासङ्घ जनौलक अइछ ।

नेपाल आयल नियम बितल राइतसँ डिजेलमे १० टका आ पेट्रोलमे १५ टका वृद्धि कएने छल । कानुन बमोजिम सङ्घीय रुटके पेट्रोलियम पदार्थमे मूल्य वृद्धि भेलासँ या दाम घटलासँ स्वचालित प्रणालीसँ दाम समायोजन करैत आएल कहैत यातायात व्यवस्था विभाग अखनो उक्त व्यवस्था लागू करबाक लेल अनुरोध केलक अइछ ।

सङ्घीय रुटके भाड़ा यातायात व्यवस्था विभागसँ आ प्रदेश अन्तर्गतके भाड़ा सातो प्रदेश मन्त्रालयसँ यथाशीघ्र समायोजन करबाक लेल महासङ्घ सरकारसँ माँग केलक अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय