कोलम्बो, ३ चैतः श्रीलङ्कामे सरकारी क्षेत्रक कर्मचारीसभक काज करबाक समय तालिकामे परिवर्तन करबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।
आइ जारी कएल गेल सूचनाअनुसार मार्च १८ सँ सरकारी कर्मचारीसभक लेल प्रत्येक बुधदिन साप्ताहिक बिदा देबाक व्यवस्था लागू कएल जाएत । देशमे देखल गेल इन्धन अभावकेँ व्यवस्थापन करबाक लेल ई व्यवस्था कएल गेल अइछ ।
आवश्यक सेवाके आयुक्त प्रभात चन्द्रकीर्थीद्वारा सार्वजनिक कएल गेल सूचना अनुसार सब सरकारी विद्यालय, विश्वविद्यालय तथा अदालतसभ सेहो बुधदिन बन्द रहत । मुदा, स्वास्थ्य सेवा, बन्दरगाह, खानेपानी आपूर्ति आ भंसारजेहन अत्यावश्यक सेवामे ई निर्णय लागू नै होबाक जनाओल गेल अइछ ।
इन्धन सङ्कटकेँ ध्यानमे राखैत सरकार दोसर सूचना नै भेलाधैर सब सरकारी कार्यक्रमसभ स्थगित केलक अइछ । तहिना, निजी क्षेत्रक संस्थासभकेँ सेहो सम्भव भेलाधैर एहने व्यवस्था करबाक लेल सरकार अनुरोध कएने अइछ ।
रासस/सिन्ह्वा





