पाटन (ललितपुर), ३ चैतः राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)के उपसभापति डोल प्रसाद अर्याल जनताके आशा आ विश्वासकेँ कायम राखैत अपन जिमेवारी पूरा करबाक लेल आग्रह केलैन अइछ ।
पार्टीद्वारा आइ ललितपुरमे आयोजित नवनिर्वाचित सांसदसभक अभिमुखीकरण तथा परिचयात्मक कार्यक्रमके उद्घाटन समारोहकेँ सम्बोधन करैत उपसभापति अर्याल देश आ जनताक पक्षमे काज करबाक आवश्यक भेल बतौलैन ।
“नागरिककेँ महसुस होएजका काज करएबला सरकार गठन क भ्रष्टाचारके अन्त आ सुशासन कायम करबाक आवश्यकता छै । लम्बा समयसँ देशक बागडोर सम्हारने राजनीतिक दल कएने गलत क्रियाकलापसँ अखनके परिणाम आएल छै । अइसँ हमरासभक पार्टी आ जननिर्वाचित प्रतिनिधिकेँ जिमेवार आ जवाफदेही बनौने छै,” ओ कहलैन ।
पार्टीके दोसर उपसभापति डा.स्वर्णिम वाग्ले ४८ प्रतिशत मतसहित प्राप्त भेल दू तिहाइ बहुमतक विश्वासकेँ जोगा क जनताक भरोसाकेँ कायम राखबाक लेल जोड़ देलैन ।
संसदीय अभ्यास, विधायिकी प्रक्रिया, नीति निर्माण, संसदीय समितिसभक भूमिकालगायतक विषयमे अभिमुखीकरण करेबाक लेल उक्त कार्यक्रम आयोजन कएल गेल पार्टीके महामन्त्री कबिन्द्र बुर्लाकोटी बतौलैन । रासस





