प्रि–मनसुनः आइ मौसम सामान्य, काइलसँ फेर बदली हएत


काठमाण्डू ४ चैतः प्रि–मनसुनके कारण बितल एक हप्तासँ माैसममे बदलीके कारण वर्षा भ रहल अइछ । मङ्गलदिन किछ सुधार भेल मौसम आइ साधारणतया सफा रहत । मुदा, काइलसँ पुनःबदली होबाक जल तथा मौसम विज्ञान विभाग जनौलक अइछ । विभाग अनुसार आइ छिटफुटबाहेक प्रायः स्थानमे मौसम सफा भेलाक बादो वृहस्पैतदिनसँ धिरे-धिरे मौसममे बदली हएत ।

विभागक वरिष्ठ मौसमविद् वरुण पौडेल शुक्रदिन आ शैनदिन माैसममे बेसी बदली होबाक आ विभिन्न स्थानमे वर्षा होबाक सम्भावना रहल बतौलैन ।

प्रि–मनसुनके समयमे हावा बिहाइर, ठन्का आ वर्षा होबाक बेसी जोखिम रहबाक वरिष्ठ मौसमविद् वरुण पौडेल बतौलैन । अखन नेपालमे पश्चिमी न्यूनचापीय प्रणाली आ स्थानीय वायुके आंशिक प्रभाव अइछ ।

विभाग मङ्गलदिन साँझ सार्वजनिक कएने बुलेटिनमे बुधदिन देशके हिमाली भू–भागमे साधारणतया मेघ लागत तथा बाँकी पहाड़ी आ तराई भू–भागमे आंशिक मेघ लागत । कोशी, गण्डकी आ कर्णाली प्रदेशक हिमाली भू–भागके एक–दू स्थानमे मेघगर्जन, ठन्कासहित हल्का वर्षा आ हिमपातके सम्भावना अइछ ।

वृहस्पैतदिन लुम्बिनी, कर्णाली आ सुदुरपश्चिम प्रदेशलगायत गण्डकी, बागमती आ कोशी प्रदेशक पहाड़ी आ हिमाली भू–भागमे साधारणतया मेघ लागत तथा बाँकी भू–भागमे आंशिक बादल लागत ।

कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक पहाड़ी आ हिमाली भू–भागक किछ स्थान, लुम्बिनी आ गण्डकी प्रदेशक पहाड़ी आ हिमाली भू–भागके किछ स्थान तथा बागमती आ कोशी प्रदेशक पहाड़ी आ हिमाली भू–भागके एक–दू स्थानमे मेघगर्जन, ठन्कासहित मध्यम वर्षा आ हिमपातके सम्भावना अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय