चिनियाँ कम्युनिष्ट पार्टीद्वारा रास्वपाकेँ बधाइ


काठमाण्डू, ४ चैतः प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)केँ प्राप्त भेल सफलताप्रति चिनियाँ कम्युनिष्ट पार्टी (सिपीसी) बधाइ तथा शुभकामना व्यक्त केलक अइछ ।

सिपीसीके अन्तर्राष्ट्रिय विभागद्वारा पठाएल गेल उक्त बधाइ सन्देशमे दू पार्टी बीच बढ़ैत गेल सम्बन्धप्रति खुसी व्यक्त करैत आबएबला दिनमे हाेएबला सहकार्यसँ सम्बन्ध आओर विस्तार होबाक विश्वास व्यक्त कएल गेल अइछ ।

रास्वपाके अन्तर्राष्ट्रिय सम्बन्ध विभागक प्रमुख शिशिर खनाल पार्टीकेँ प्राप्त पत्रके बारेमे जानकारी देलैन ।

हुनक कहब अनुसार पत्रमार्फत सिपीसी रास्वपा सभापति रवि लामिछाने आ वरिष्ठ नेता बालेन्द्र साहके नेतृत्वमे चीन आ नेपाल बीचक सम्बन्धकेँ नयाँ उचाइँमे पहुँचेबाक अपेक्षा व्यक्त कएल गेल अइछ ।

पत्रमे दू देश बीचक राजनीतिक आपसी विश्वासकेँ आओर मजबुत बनाबैत दूनु देश आ जनताक हितमे ‘सझिया भविष्यसहितक समुदाय’ निर्माण करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएल गेल अइछ ।

सिपीसी रास्वपासँ विभिन्न क्षेत्रमे अनुभव आदानप्रदान, आपसी सिकाइ तथा द्विपक्षीय सम्बन्धके स्थिर विकासक लेल सहकार्य करबाक लेल तत्परता देखौने रास्वपाके नेता खनाल जानकारी देलैन ।

रास्वपा नेपालक स्वतन्त्र परराष्ट्र नीति तथा पञ्चशीलके सिद्धान्तप्रति प्रतिबद्ध रहैत पड़ोसी राष्ट्र सङेके सम्बन्धकेँ उच्च प्राथमिकतामे राखबाक जनौलक अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय