भद्रपुर (झापा), ४ चैतः लागुऔषध ब्राउन सुगरसहित सात गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ । भद्रपुर नगरपालिकाके दू स्थानसँ ओकरासभकेँ गिरफ्तार कएल गेल प्रहरी जनौलक अइछ ।
जिला प्रहरी कार्यालयके प्रहरी नायब उपरीक्षक खगेन्द्र बहादुर खड्काके कहब अनुसार भद्रपुर–६ स्थित श्रवण यादवके घरमे बितल राइत खोज तलासी कएलापर ब्राउन सुगर बरामद कएल गेल छल । लागुऔषध कारोबारमे संलग्न भेल अभियोगमे यादवके घरसँ तीन गोटेकेँ गिरफ्तार सेहो कएल गेल अइछ । तहिना, भद्रपुर बसपार्कसँ चाइर गोटेकेँ ब्राउन सुगरसहित नियन्त्रणमे लेल गेल अइछ । रासस





