ललितपुर, ४ चैतः राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)क सभापति रवि लामिछाने जनताके अभिमतकेँ सम्मान करैत देश आ जनताप्रति जिमेवारीसँ प्रस्तुत होबाक लेल अपन नवनिर्वाचित प्रतिनिधिसभा सदस्यकेँ निर्देशन देलैन अइछ ।
रास्वपाद्वारा नवनिर्वाचित प्रतिनिधिसभा सदस्यक लेल ललितपुरमे आयोजित अभिमुखीकरण कार्यक्रममे सभापति लामिछाने सार्वजनिक रूपमे जथाभावी अभिव्यक्ति देबाक आ प्राप्त अभिमतकेँ मनोरञ्जन रूपमे बुझबाक छुट ककरो नै रहल स्पष्ट केलैन ।
“सञ्चारमाध्यममे विचार कएलाक वाद बाजू । बोलैत काल वैदेशिक सम्बन्धमे केहन प्रभाव पडतै सेहो सोइच क जिमेवारीपूर्वक बाजू । नागरिकसँ मजबुत सम्पर्क बनाबी”, ओ कहलैथ, “हमरासभ नागरिकसँ कएल करार पत्रकेँ बढ़ियासँ पढिते रहब । हमरासभपर देश बनेबाक, देशमे परिवर्तन करबाक जिमेवारी अइछ । जनताक अभिमतके पूर्णसम्मान करैत सकारात्मक परिवर्तन करए पडत ।”रासस





