स्वास्थ्य आ खेलकूद चेतनाके लेल ‘मिथिला चित्रकला


काठमाण्डू, ४ चैत: काठमाण्डूक कोटेश्वर सरस्वती माध्यमिक विद्यालयक भीतसभ अखन मिथिला चित्रकलासँ रङ्गीन भ गेल अइछ। अइ ठामँक कक्षा ४ आ ५ क विद्यार्थीसभक रचनात्मक प्रयाससँ विद्यालय परिसरमे नवका आकर्षण जोड़ल गेल अइछ।

काठमाण्डू महानगरपालिका आ नेपाल ललितकला प्रज्ञा प्रतिष्ठानक सहकार्यमे संचालित शिक्षाक सीप कार्यक्रमक अन्तर्गत ‘बुक–फ्री फ्राइडे’मे सहभागी विद्यार्थीसभ विशेष भित्तीचित्र कार्यशालामे भाग लेलाक बाद अइ ठामँक भीत मिथिला कलासँ सिङ्गारेने छैथ।

नौटा सत्र (प्रत्येक तीन घण्टा)धैर संचालित अइ कार्यशालामे विद्यार्थीसभ पाठ्यपुस्तकसँ बाहर निकैल प्राचीन मिथिला चित्रकलाक प्रयोगात्मक अभ्यास कएने छैथ। मिथिला चित्रकार सुभद्री सुभाक प्रशिक्षणमे भेल कार्यशालामे विद्यार्थीसभ ‘हाथ धोनाइ आ खेलकूद’ शीर्षकके अवधारणापर आधारित भित्तेचित्र निर्माण कएने छैथ।

कोटेश्वरस्थित सरस्वती माविक ई रङ्गीन भीतसभ अखन केवल चित्र मात्रे नै, ओ स्वास्थ्य, शिक्षा आ कलाक जीवन्त पाठ बइन गेल अइछ। अइ भीतमे स्वच्छता आ स्वास्थ्य तथा शारीरिक आ मानसिक विकाससम्बन्धी सन्देश देनिहार विद्यार्थीसभक रचनासभ समाहित अइछ।

हाथ धोनाइक अभ्यास देखाएल गेल पैघ आकृतिसभ दैनिक जीवनमे सफाइके महत्व देखाबैत छै, तहिना शारीरिक आ मानसिक विकासक अन्तर्गत डोरी खेइल रहल बच्चासभकेँ उतारल गेल अइछ। चित्रमे माछ, कमल फूल आ परम्परागत मिथिला बुट्टासभकेँ कलात्मक ढंगसँ संयोजन कएल गेल अइछ। जे आधुनिक स्वास्थ्य सन्देशकेँ सांस्कृतिक सौन्दर्यसँ जोड़ैत अइछ।

कलाकार सुभद्री सुभा कहलैन, “सरकारी विद्यालयक छोट बच्चासभमे देखायल उत्साह प्रंशसनीय छल। ओसभ शारीरिक खेलसँ दिमाग कोना तेज होइत छै से चित्रमे उतारबामे बहुत रुचि देखेलैन।” हुनक अनुसार चित्रकेँ समयपर पूरा करबाक लेल विद्यार्थीसभ बहुत मेहनत कएने छैथ। विद्यालयक नियमित समयक अतिरिक्त ओसभ शैनदिन आ अन्य दिन सबेर ८:०० बजेसँ १०:०० बजेधैर स्वतःस्फूर्त रूपसँ सहभागी भेल छलैथ।

विद्यार्थीसभ बुट्टा भरबाक आ रङ्ग लगाबक अधिकांश काज अपने कएने छैथ। अन्तिम कलात्मक परिष्करण कलाकार सुभद्री कएने छैथ। ई कार्यक्रम विद्यार्थीसभक सृजनशीलताकेँ प्रस्फुटित करबामे आ नेपाली सांस्कृतिक सम्पदाक संरक्षण करबामे पैघ भूमिका निभाओत से विश्वास कएल गेल अइछ। अखन काठमाण्डूक दर्जनो स्कुलमे विद्यार्थीसभकेँ चित्रकला, मूर्तिकला आ भित्ती चित्रकला सिखाएल जा रहल अइछ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय