लागुऔषधसहित विभिन्न स्थानसँ १५ गोटे गिरफ्तार


काठमाण्डू, ५ चैतः नियमित गस्ती क रहल प्रहरी टोली लागुऔषधसहित विभिन्न स्थानसँ १५ गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

केन्द्रीय प्रहरी समाचारकक्षके अनुसार झापा, बारा, महोत्तरी, चितवन आ कञ्चनपुरसँ ओकरासभके बितल मङ्गलदिन आ बुधदिन गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

भरतपुर महानगरपालिका–१ पोखरा बसपार्कसँ चिकित्सकके सिफारिसमे मात्रे खरिदबिक्री क सकबाक दवाइसहित एक गोटे, भद्रपुर नगरपालिका–६ सँ ब्राउन सुगरसहित सात गोटे, बाराके जितपुरसिमरा उपमहानगरपालिका–३ लल्का पुल लगसँ नौ किलो गाँजासहित दू गोटे, महोत्तरीके बर्दिबास नगरपालिका–३ सँ ब्राउन सुगरसहित चाइर गोटे आ कञ्चनपुरके बेलौरी नगरपालिका–१० घाँटसँ एक गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय