इनरुवा (सुनसरी), ५ चैत : सुनसरीरामधुनीनगरपालिका–५ मे सवारी दुर्घटना भेलासँ एक व्यक्तिके मृत्यु भेल तँ एगो घायल भेल अइछ ।
मृत्यु भेनिहार रामधुनी–३ क ६२ वर्षीय विष्णुप्रसाद खतिवडा रहल जिला प्रहरी कार्यालय सुनसरीक प्रहरी नायब उपरीक्षक चन्द्रबहादुर खड्का जानकारी देलैन अइछ ।
नम्बर नै खुलल तरकारीबला पिकअप पैदलयात्री आ साइकलयात्रीकेँ ठोकर मारलासँ खतिवडाके मृत्यु भेल प्रहरी नायब उपरीक्षक खड्का जानकारी देलैन अइछ । सएह दुर्घटनामे इटहरी–१८ नयाँ टोलके ३५ वर्षीय देवराज बुढाथोकी घायल भेल छैथ । घायल बुढाथोकीके विराटनगरमे इलाज भ रहल प्रहरी जनौलक अइछ ।
पूर्व–पश्चिम राजमार्गअन्तर्गत रामधुनीनगरपालिका–५ स्थित लगुना मोडमे पूर्वसँ पश्चिमदिस जाए रहल तरकारीबला पिकअप गाडी ठोकर देने छल ।
भागल गाडी आ चालकके खोजी भ रहल प्रहरी नायब उपरीक्षक खड्का जानकारी देलैन अइछ । रासस





