मलङ्गवा (सर्लाही), ६ चैतः सर्लाही सदरमुकाम मलङ्गवामे पोखैरमे डुइब क एक गोटेके मृत्यु भेल अइछ ।
मलङ्गवा नगरपालिका–२ स्थित नासी पोखैरमे वृहस्पैतदिन डुइब क ३० वर्षक एक गोटे युवकके मृत्यु भेल जिला प्रहरी कार्यालयके प्रहरी प्रवक्ता एवं प्रहरी नायब उपरीक्षक सरोज राई जानकारी देलैन । स्थानीयके सहयोगमे माछा मारएबला जालसँ युवकके लहास निकालल गेल ओ बतौलैन ।
युवककेँ पोखैरमे डुबैत देखलाक बाद स्थानीय प्रहरीकेँ खबर कएने छल । नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरी खोजी कएलाक बादो युवक नै भेटलाक बाद स्थानीयके सहयोगमे जालसँ लहास निकाल गेल छल । रासस





