आइ ईद उल फित्र पावैन मनाएल जा रहल


काठमाण्डू, ७ चैतः अरबी पंचाङ्ग हिजरी संवत अनुसार नवम महिनामे निराहार व्रत कएनिहार देशभैरके मुस्लिम समुदाय आइ ईद उल फित्र पावैन मना रहल छैथ।

आइ विशेष नमाज पाठ कएलाक बाद तीन दिनधैर पैघ-बुजुर्गके आशीर्वाद लैत छैथ। अइ पावैनमे अपनासँ छोटकेँ आशीर्वाद देल जाइत छै। आशीर्वाद लेबाक लेल आबैबला आत्मीयजनकेँ सवइ, खजूर सहित मीठ पकवान देबाक चलन अइछ।

खुशीपूर्वक दीन-दुःखी एवम् गरीबकेँ दान कएल जाइत छै, तेँ अइ पावैनकेँ ईद उल फित्र कहल गेल अइछ। अरबी पंचाङ्ग अनुसार नवम महिना क अन्तिम दिन चान देखला क बाद ईद उल फित्र मनेबाक कार्यक्रम तय होबाक नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य अब्दुल सतार राससकेँ जानकारी देलैन।

शैनदिन भोरमे नेपाली जामे मस्जिद घण्टाघरमे विशेष नमाज पाठ कएल जाएत छै। तकर बाद बर-बुजुर्गके आशीर्वाद लेबाक क्रम सुरू हएत । एहिना घण्टाघरमे रहल मस्जिद सहित देशभैरके मस्जिद आ ईदगाहमे सेहो विशेष कार्यक्रम आ नमाज पाठ कएल जाइत अइछ।

आइसँ एक महिना पहिनेसँ रोजा सुरू भेल छल। एक सालके भीतर भेल पापसँ मुक्त होबाक लेल ई पावैन कएल जेबाक ओ बतौलैन। एक महिनाधैर भोरसँ साझधैर उपास क साँझमे चानके पूजा कएल जाइत छै।

अइ पर्वक अवसरमे मुस्लिम समुदाय नवका कपड़ा पहिरक संगी-साथी लग जा क ईदके शुभकामना आदान-प्रदान करैत छैथ। अइ अवसरमे आइ सरकार सार्वजनिक बिदा देल अइछ से गृह मन्त्रालय जनौलक अइछ। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय